मंगलवार, 24 अप्रैल 2018

प्रदेश सरकार एक अरब दू करोड पाँच लाख रुपैयाके लेआएल हए बजेट
प्रदेश २ सरकार चालू आर्थिक वर्षके बाँकीके करिब अढाइ महिनाके लेल बजेट लेआएल हए । नेपाल सरकारसे प्राप्त रकमके ही विभिन्न शीर्षकमे खर्च करेला बजेट लेआएल हए । प्रदेशके आर्थिक मामिला मन्त्री विजयकुमार यादव मंगलवार प्रदेश सभामे एक अरब दू करोड पाँच लाख रुपैयाके बजेट प्रस्तुत कएले छत । बजेटमे किसानके हित सरकारके जित कार्यक्रम, मुख्यमन्त्री स्वच्छता अभियान, स्वच्छ प्रदेश स्वच्छ जनता कार्यक्रम, मछरीपालन विशेष कार्यक्रम, मधेसी सहिद प्रतिष्ठान कोष स्थापना लगायतके कार्यक्रम सहितके बजेट प्रदेश सरकार लेआएल हए । अइसही कृषि, सिंचाइ, पर्यटन, रोजगारी सिर्जना लगायतके क्षेत्रमे भी सरकारके ध्यान पुगल हए । मुख्यमन्त्री राहत तथा पुनस्र्थापना कोष, उद्योग स्थापना करेला निजी क्षेत्र लक्षित कार्यक्रम, महिला हिँसा, बलात्कार, तिलक दहेज, डाइन प्रथा जइसन विकृतिके रोकेला भी कार्यक्रमके घोषणा कएलगेल हए ।

रौतहटके राजदेवी मन्दिर परल प्रदेश संरक्षणके बजेटमे
रौतहटके राजदेवी मन्दिर प्रदेश सरकारके संरक्षणमे परल हए । मंगलवार आएल प्रदेश सरकारके बजेटमे रौतहटके राजदेवी नगरपालिकामे रहल राजदेवी मन्दिरके संरक्षणके बात परल हए । ऐतिहासिक तथा धार्मिक सम्पदाके संरक्षण करेके लेल विनियोजित बजेटमे रौतहटके राजदेवी मन्दिरके सन्दर्भ भी परल हए ।

प्रदेश सरकार गौरमे स्मृति स्तम्भ करेबाला हए निर्माण
मंगलवार प्रदेश सरकारद्वारा कएलगेल बजेट घोषणामे रौतहटके गौरमे स्मृति स्तम्भ निर्माण करेके प्रस्ताव कएलगेल हए । मधेस आन्दोलनके स्मृति ताजा बनाके राखेला गौरमे स्मृति स्तम्भ निर्माण करेला विस्तृत परियोजना प्रस्ताव तयार करेके बात उलेख कएलगेल हए ।

प्रदेश सरकार प्रत्येक साँसदके खर्च करेला देले हए दश लाख
प्रदेश २ के सरकार चालू आर्थिक वर्षके लेल प्रत्येक साँसदला दश लाख रुपैया विनियोजन कएले हए । प्रदेश सभासद लोग जनताके आवश्यकता आ प्राथमिकताके क्षेत्रमे खर्च करेला प्रति सदस्यके लेल दश लाख रुपैयाके दरसे प्रदान करेला दश करोड ७० लाख रुपैया बिनियोजन कएले हए । प्रदेशमे प्रत्यक्ष आ समानुपातिक सहित १०७ साँसद रहल हए । असार महिनातक खर्च करेला प्रदेश सरकार प्रति साँसद दश लाख रुपैयाके दरसे बजेट विनियोजन कएले हए ।

करिब डेढ लाख रुपैयाके कपडा सहित दुगो मोटरसाइकिल पुलिस कएले हए बरामद
रौतहट पुलिस करिब डेढ लाख रुपैया मूल्य बराबरके अवैध भारतीय कपडा बरामद कएले हए ।  जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटसे खटल पुलिसके गस्ती टोली राजदेवी नगरपालिकाके वार्ड नम्बर २ बागमती नदीके बान्हपर दूजने अपरिचित व्यक्तिसे लाखोके कपडा बरामद कएले हए । बीआर ३० के ३८९५ नम्बरके ग्लैमर मोटरसाइकिल आ बीआर ०५ यु १५२५ नम्बरके सुपर स्पेन्डर मोटरसाइकिलके पछाडि सिटपर कपडाके मोटा बान्हके भारतसे नेपालके ओर भन्सार छलके लेआरहल अवस्थामे पुलिसके टोली रोकके चेकजाँच करेके खोजलापर मोटरसाइकिल आ कपडा छोडके मोटरसाइकिलपर सबार दुनुजने भागेमे सफल भेल हए । आदमीके भागगेलाके बाद गस्तीमे रहल पुलिसके टोली मुचुल्का उठाके एक लाख एकतालिस हजार तीन सय पचीस रुपैया मूल्य बराबरके सुती साडी लगायत रेडिमेड कपडा आ दुनु मोटरसाइकिल भन्सार चलान कएले जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जानकारी करएले हए ।

मावि कटहरियामे अध्ययनरत छात्राके नगरके ओरसे मिलल साइकिल उपहार
रौतहटके कटहरिया नगरपालिका कक्षा १० मे अध्ययनरत बालिकाके साइकिल उपहार देले हए । चुनावसे पहिले माओवादीके उमेदवारके देलगेल प्रतिबद्धताके मोताबिक कटहरियाके जनता माध्यमिक विद्यालयमे कक्षा १० मे अध्ययनरत बालिकाके नगरपालिकाके ओरसे साइकिल प्रदान कएलगेल हए । मंगलवार ७६ जने बालिकाके साइकिल प्रदान कएलगेल नगर प्रमुख सियाराम कुशवाहा जानकारी करएले छत । साइकिल वितरण कार्यक्रमके अवसरपर विद्यालयके शिक्षक, अभिभावक, विद्यार्थी, नगरपालिकाके नगर कार्यपालिका सदस्यलोग, नगरपालिकाके कर्मचारी, समाजसेवी, बुद्धिजीवी लगायतके उपस्थिति रहल रहे ।

गाईके मास सहित रौतहटके एकजने परल पक्राउ
गाईके मास सहित रौतहटके एकजने पक्राउ परल हए । सशस्त्र प्रहरी बल सीमा सुरक्षा कार्यालय रौतहटके टोली एकजनेके रौतहटके गढीमाई नगरपालिकासे पक्राउ कएलगेल   हए । पक्राउ परेबालामे गढीमाई नगरपालिका वार्ड नम्बर ३ के करिब २७ बरिसके शेख तबारक रहल सीमा सुरक्षा कार्यालय रौतहटके प्रशासन फाँटके असई शिवहरि थापा जानकारी करएले छत । पक्राउ परल तबारकके जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटमे बुझाबलगेल हए । अइसही पक्राउ परल गाईके मासके पशु क्वारेन्टाइन कार्यालय, स्थानीय पत्रकार, भद्रभलादमी तथा समाजसेवीके रोहबरमे खँधिया खनके नष्ट कएलगेल सशस्त्र प्रहरी रौतहटके प्रमुख एसपि प्रेमराज पोखरेल जानकारी करएले छत ।

करेन्ट लागके बारामे एकजनेके भेल हए मृत्यु

बारामे करेन्ट लागके एकजने युवकके मृत्यु भेल हए । काम कररहल अवस्थामे ही करेन्ट लागके युवकके मृत्यु भेल हए । बाराके जितपुर सिमरा उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर ८ इमलीपर्तीके रहनिहार २८ बरसके रामनाथ राइभरके करेन्ट लागके मृत्यु भेल हए । जितपुर सिमरा उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर १० मे रहल भगवती स्टील प्रालिमे वायरिंगके काम कररहल अवस्थामे ही करेन्ट लागके गम्भीर घाएल भेल राइभरके इलाजके लेल वीरगंजमे रहल नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पतालमे भर्ना कएलगेल रहे । इलाजके क्रममे ही राइभरके मृत्यु भेल आ घटनाके विषयमे प्रहरी अनुसन्धान कररहल खबर प्राप्त भेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें