रविवार, 22 अप्रैल 2018

गढीमाई नगरपालिकाके संग्रामपुरमे निशुल्क आँख शिविर सम्पन्न
रौतहटके गढीमाई नगरपालिका वडा नम्बर ४ संग्रामपुरमे निशुल्क आँख शिविर सम्पन्न भेल हए । रौतहट क्षेत्र नम्बर ४ ख के साँसद शेख फूलबाबु आ वडाध्यक्ष हरिकिशोर प्रसाद साहके मुख्य भूमिकामे नेपाल सरकार तथा जन्तो मुस्लमी नेपाल अलखैरियाके संयुक्त आयोजनामे भेल निशुल्क आँख शिविरमे अढाई सय जनेके आँखके परीक्षण कएलगेल हए । वडा नम्बर ४ के वडा कार्यालयमे सम्पन्न आँख शिविरमे एक सय पाँच जनेमे मोतियाबिन्दुके सिकाइत मिलल हए । मोतियाविन्दूके अपरेसन गौर आँख अस्पतालमे होएके निश्चित भेल हए । शिविरमे पचीसजनेके आँखमे सामान्य समस्या देखलगेलासे निशुल्क दबाइ देलगेल हए । गाँैर आँख अस्पतालके अधिकृत शम्भु पासवानके नेतृत्वमे सातजने डाक्टर तथा प्राविधिकके टोली निशुल्क परीक्षण कएले संग्रामपुरसे महम्मद इम्तियाज जानकारी करएले छत ।

मौसमके रुप बदललासे सर्वसाधारण भी होरहल हए चिन्तित
एक ओर विश्वव्यापी तापिकरण ग्लोबल वार्मिङके कारण मौसममे परिवर्तन भेल कहल जारहल हए त दोसर ओर जुग बदलते गेलासे मौसम भी बदलइत देखलगेल कहल जारहल हए । संसारभर एकसाथ पृथ्वी दिवस मनाबल जारहल एतबारके दिन सबेरेके मौसम देखके सर्वसाधारण भी चिन्तित बनल हए । मध्य बैसाखके समयमे एतबारके सबेरमे पूरा धुन घेरलाके चलते लोगमे अनेक किसिमके चिन्ता जागल हए । पृथ्वीके संरक्षण करनाइ हर आदमीके कर्तव्य रहल कहल जारहल समयमे पृथ्वी दिवसके दिन ही रौतहटके उत्तरमे जंगली क्षेत्रके छोडके सम्पूर्ण रौतहटके सबेरके मौसम बहुत भयावह बनल रहे । मौसममे देखलापर पृथ्वीके प्रति सचेत होएके सभीके जरुरत महसुस करेके बुद्धिजीवी लोगके प्रतिक्रिया रहल हए । मध्य वैशाखमे एतना धुन आ ठन्ढा सबेरमे लगनाइ दुर्लभ रहल बूढ पुरनियालोगके कहनाम हए । जबकि दुपहरियामे एतबारके दिन एई सालके सबसे बेसी गर्मी महसूस कएलगेल हए । मध्य वैशाखके धुनके साथे ठन्ढी आ फेर दुपहरियाके कडा गर्मी दुनु एके दिन पृथ्वी दिवसके दिन ही होनाइ एगो संयोग मात्रे रहल बुद्धिजीवीलोगके कहनाम रहल हए ।

शोकमे रौतहटके करिब सम्पूर्ण सामुदायिक विद्यालय रहल एतबारके बन्द
रौतहटके वृन्दावन नगरपालिकाके विश्रामपुरमे रहल नेपाल माध्यमिक विद्यालयके निमावि शिक्षक सुरेन्द्र प्रसाद सिन्हाके देहान्त होएलापर नेपाल शिक्षक संघ रौतहट, नेपाल राष्ट्रिय शिक्षक संगठन रौतहट आ संघीय समाजवादी शिक्षक फोरम रौतहटके संयुक्त आह्वानमे एक दिन एतबारके शोक मनाके विदा भेल हए । अधिकांश विद्यालयमे शिक्षक आ विद्यार्थी उपस्थित होके शोक मनाके पढाइ बन्द कएले देखलगेल हए । कुछ विद्यालयमे सूचनाके अभावमे विद्यालय सुचारु भेल देखलगेल हए । शिक्षक सिन्हाके मृत्यु हृदयाघातके कारण शनिवार भेल रहे । म्याग्दी जिलासे बितल फागुनमे ही जिलान्तर सरुवा कराके आएल शिक्षक सिन्हाके मन खराब होएलापर गरुडामे भर्ना कएलगेल रहे । इलाज करारहल अवस्थामे ही हृदयाघात होएलापर शिक्षक सिन्हाके चन्द्रपुरमे भर्ना कएलगेल आ इलाजके क्रममे अस्पतालमे ही देहान्त भेल रहे ।

प्रदेश प्रमुख रत्नेश्वरलाल कायस्थ चित्रगुप्त मन्दिरके गौरमे कएले छत उदघाटन
प्रदेश २ के प्रमुख रत्नेश्वरलाल कायस्थ रौतहटके गौरमे चित्रगुप्त मन्दिरके उदघाटन कएले छत । रौतहटके गौर नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ चित्रगुप्त नगरमे नवनिर्मित चित्रगुप्त मन्दिरके प्राण प्रतिष्ठा तथा उदघाटन कएले छत । चित्रगुप्त समाज रौतहटके अध्यक्ष गंगाधर प्रसादके अध्यक्षतामे भेल कार्यक्रममे प्रदेशके राज्यमन्त्री योगेन्द्र राय यादव, संघीय संसदके साँसद रेखाकुमारी झा, प्रदेशके साँसद लालबाबु साह, गौर नगरपालिकाके मेयर अजय गुप्ता, उपमेयर किरण ठाकुर लगायतके चित्रगुप्त समाजके सदस्य तथा पदाधिकारी लोगके उपस्थिति रहल रहे ।

सशस्त्र पुलिस बारा तीस लाखसे बेसीके सामान लेले हए नियन्त्रणमे
बाराके सशस्त्र प्रहरी बिओपी गोपालगंजके टोली बाराके सिम्रौनगढसे करिब तीस लाखके सामान पक्राउ करेमे सफल भेल हए । बाराके सिम्रौनगढ नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ से करिब तीस लाख मूलय बराबरके कस्मेटिक सामान नियन्त्रणमे लेले हए । रातके करिब दश बजे सिम्रौनगढ तरकारी बजारमे अनलोड कररहल ४२ कार्टुन कस्मेटिकके सामान अपना नियन्त्रणमे लेके वीरगंज भन्सार चलान कएले खबर प्राप्त भेल हए ।

एमालेके निजगढ समिति साक्षरता अभियान कएले हए संचालन
नेकपा एमाले बाराके निजगढ समिति साक्षरता अभियान संचालन कएले हए । साक्षरता अभियान संचालनके शुभारम्भ तथा नयाँ वर्ष २०७५ के शुभकामना आदानप्रदान कार्यक्रम निजगढमे सम्पन्न भेल हए । कार्यक्रम एमाले निजगढ नगर समितिके अध्यक्ष दिलबहादुर लामाके अध्यक्षता तथा प्रधानमन्त्रीके जनसम्पर्क सलाहकार अच्युत मैनालीके प्रमुख आतिथ्यमे सम्पन्न भेल हए । प्रधानमन्त्रीके जनसम्पर्क सलाहकार मैनाली सरकारके साक्षरता अभियानके सभीके सहयोग करेला आग्रह कएले छत । कार्यक्रममे निजगढ नगर समितिके सचिव विदुरलाल श्रेष्ठके साथे अन्य विभिन्न स्थानीय वक्तालोग साक्षरता अभियानके महत्वके विषयमे प्रकाश पारले रहे ।

भारतके प्रधानमन्त्री मोदी चीन जाएके भेल हए निश्चित
भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी चीन जाएके निश्चित भेल हए । नेपालमे आबेके डेट तय होएके काम आन्तरिक तयारीमे रहल अवस्थामे भारतीय प्रधानमन्त्री मोदी चीनके दू दिवसीय यात्रापर जाएके निश्चित भेल हए । भारतीय प्रधानमन्त्री मोदी अप्रिल २७ आ २८ तारिखके दिन चीनमे रहेके यात्रा निश्चित भेल हए । चीनके राष्ट्रपति शी चिन पिंगके निमन्त्रणापर दुनु देशके बीच सम्पबन्धके सुधारेला भारतके प्रधान मन्त्री नरेन्द्र मोदीके चीन यात्रा बहुत फलदायी होएके विश्वास रहल हए । चीन भ्रमणमे रहल भारतके विदेशमन्त्री सुष्मा स्वराजके साथे चीनके विदेशमन्त्री वांग चीसे भेल दुपक्षीय वार्ताके बाद भारतके प्रधानमन्त्री मोदीके चीन यात्राके मिति घोषणा भेल हए । विभिन्न विवाद रहल दुनु देशके बीच मतभेल रहल अवस्थामे उच्चस्तरसे सम्वादके सुरुआत होनाइ बहुत शुभ रहल विश्लेषण कएल जारहल हए । डोक्लाम विवादके बाद दुनु देशके बीच ई पहिल उच्चस्तरीय सम्वाद होरहल हए ।

भारतमे बलात्कारीके फाँसीके सजाय देबेके भेल निर्णय

भारतके केन्द्रीय मन्त्री मण्डलसे बलात्कारके दोषीके मौतके सजाय देबेके निर्णय कएलगेल हए । भारतके प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके अध्यक्षतामे शनिवार बैठल मन्त्री परिषदके बैठकमे आपराधिक कानुन संशोधन अध्यादेश २०१८ के मन्जुरी मिलल हए । अध्यादेशमे १२ सालसे कम उमरके बच्चीसे दुष्कर्म करेबाला दोषीके अदालतसे मौतके सजाय देबेके बात रहल हए । भारतके विभिन्न भागमे बलात्कारीके मौतके सजाय देबेके विषयपर आवाज उठरहल अवस्थामे अइसन निर्णय आएल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें