शनिवार, 21 अप्रैल 2018

गढीमाई नगरपालिका वार्ड नम्बर २ के वडाध्यक्ष जोगी दासके कएलगेल अन्तिम संस्कार
रौतहटके गढीमाई नगरपालिका वार्ड नम्बर २ के वडाध्यक्ष जोगी दास तत्माके पारिवारिक परम्परा अनुसार अन्तिम संस्कार कएलगेल हए । बितल हप्ता मस्तिष्कघात होके वीरगंजमे इलाज कराते आरहल तत्माके शनिवारके दिन साँझके करिब साढे चार बजे अस्पतालमे ही देहान्त भेल रहे । भलादमी आ शान्त स्वभावके जनप्रतिनिधिके रुपमे परिचित दासके एतबारके दिन सबेरे समनपुर घाटे बागमती नदीके किनारपर अन्तिम संस्कार कएलगेल हए । दासके अन्तिम संस्कारसे पहिले सैकडोलोग फूल माला चढाके अन्तिम श्रद्धान्जलि देले रहे । नगरपालिकाके ओरसे मृतक तत्माके पार्थिव शरीरपर राष्ट्रिय झन्डा ओढाबलगेल रहे । अन्तिम संस्कारके समय गढीमाई नगरपालिकाके करिब सम्पूर्ण जननिर्वाचित प्रतिनिधि, कर्मचारी, अन्य समाजसेवी, सर्वसाधारण नागरिकके उपस्थिति रहल खबर प्राप्त भेल हए ।

एतबारके दिन एक दिनके लेल गढीमाई नगरपालिकामे देलगेल हए सार्वजनिक विदा
वैशाख ९ गते एतबारके दिन गढीमाई नगरपालिका नगरपालिकामे सार्वजनिक विदा देबेके निर्णय कएलगेल हए । गढीमाई नगरपालिकाके वार्ड नम्बर २ के वडाध्यक्ष जोगी दास तत्माके असामयिक देहान्त होएलापर नगरपालिकाके ओरसे नगरपािलकाभर सार्वजनिक विदा देबेके निर्णय कएलगेल हए । नगरके सम्पूर्ण सरकारी तथा गैरसरकारी कार्यालय एक दिनके लेल बन्द करेके निर्णय कएलगेल गढीमाई नगरपालिकाके नगर प्रमुख श्यामप्रसाद यादव जानकारी करएले छत ।

हृदयाघातसे रौतहटभे एकजने शिक्षकके भेल हए मृत्यु
रौतहटमे एकजने शिक्षकके हृदयाघातसे मृत्यु भेल हए । म्याग्दी जिलासे फागुन महिनामे जिलान्तर सरुवा कराके आएल वृन्दावन नगरपालिकाके विश्रामपुरमे रहल माध्यमिक विद्यालयके निम्न माध्यमिक शिक्षक सुरेन्द्र प्रसाद सिन्हाके हृदयाघातसे मृत्यु भेल हए । ४८ बरिसके विज्ञान शिक्षक सिन्हा शुक्रबार बेमारी होएलाके इलाजके लेल गरुडाके एगो अस्पतालमे भर्ना भेल लेकिन हृदयाघातके शंका होएलापर चन्द्रपुरमे लेगेलापर इलाजके क्रममे ही मृत्यु भेल हए । औरैयाके स्थायी निवासी रहल शिक्षक सिन्हाके शनिवारके दिन ही अन्तिम संस्कार कएलगेल मावि विश्रामपुरके शिक्षक रामाधार पटेल जानकारी करएले छत ।

शिक्षक सिन्हाके मृत्युपर शोक मनबइत एक दिनके लेल विद्यालय कएलगेल हए बन्द
रौतहटके वृन्दावन नगरपालिका अन्तर्गतके नेपाल माविके शिक्षक सुरेन्द्र प्रसाद सिन्हाके हृदयाघातके कारण मृत्यु होएलापर एक दिन शोक मनाबेके निर्णय भेल हए । नेपाल राष्ट्रिय शिक्षक संगठन, नेपाल शिक्षक संघ आ संघीय समाजवादी शिक्षक फोरम नेपालके रौतहट जिला कार्य समितिके संयुक्त निर्णयसे एतबारके दिन जिला भरके विद्यालयमे शोक मनाके विद्यालय बन्द करेके निर्णय भेल संगठनके उपाध्यक्ष रामशंकर प्रसाद साह जानकारी करएले छत ।

रौतहटके प्रिन्स मुखिया वीरगंजमे दौडमे भेल हए प्रथम
लायन्स युवा क्लब गरुडाद्वारा विगतमे आयोजना भेल म्याराथन दौड प्रतियोगिताके विजयी प्रिन्स मुखिया वीरगंजमे भी भेल दौड प्रतियोगितामे प्रथम भेल हए । हिन्दू स्वयंसेवक संघ वीरगंजद्वारा शनिवार आयोजित संस्कृति रक्षा दौड प्रतियोगितामे रौतहटके प्रिन्स कुमार मुखिया प्रथम भेल छत । प्रतियोगितामे चन्देश्वर पटेल द्वितीय आ विकास चन्द उपाध्याय तृतीय स्थान प्राप्त कएले छत । तिनु विजेताके एक समारोहबीच पूर्व प्रधान सेनापति रुक्मांगत कटवाल पुरस्कार प्रदान कएले छत । लायन्स युवा क्लबके म्याराथन दौड प्रतियोगिताके सकारात्मक पक्ष एकरा मानलगेल हए । गरुडामे करिब नौ बरिसतक चलल म्याराथन दौड प्रतियोगिता विभिन्न कारणसे बितल आसिन नहोएसकल रहे । गरुडाके एगो आइकनके रुपमे प्रतिष्ठा प्राप्त करचुकल म्याराथन दौड प्रतियोगिताके आवश्यकता महसुस कएल जारहल हए । 

दुगो मोटरसाइकिल सहित लाखोके कपडा सशस्त्र पुलिस कएले हए पक्राउ
सशस्त्र प्रहरी सरमुजवा लाखोके सामान सहित दुगो भारतीय मोटरसाइकिल पक्राउ कएले हए । सशस्त्र प्रहरीके टोली रौतहटके परोह नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ नरकटियासे भारतसे अवैध रुपमे भन्सार छलके लेआरहल लाखोके सामान पक्राउ करेमे सफल भेल हए । इन्जिन नम्बर एचएक १० ईएलडिएचजेओ ३८७६ चेचिस नम्बर एनबिएलएच १० एएसडिएचजेओ ६३८९ के बीरआर ०६ एजी ६७८१ नम्बरके मोटरसाइकिल आ बीआर ०५ एफ ६११ नम्बरके हिरो होन्डा मोटरसाइकिलपर भारतसे नेपालके ओर लेआरहल करिब दू लाख पचास हजार रुपैया बराबरके विभिन्न किसिमके कपडा सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल बिओपि सरमुजवा पक्राउ कएले हए । गस्तीके टोलीके देखके मोटरसाइकिल चालक कपडा आ मोटरसाइकिल दुनु छोडके फरार भेलासे आवश्यक कारबाहीके लेल कपडा आ दुनु मोटरसाइकिल गौर भन्सार कार्यालयमे बुझाबलगेल सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल सीमा सुरक्षा कार्यालय गौर जानकारी करएले हए ।

पेस्तौलसहित बाराके एकजने युवक परल हए पक्राउ

बाराके निजगढमे रहते आएल मकवानपुर जिलाके एकजने युवक काठमान्डुमे पेस्तौल सहित पक्राउ परल हए  । मकवानपुर जिलाके हेटौँडा उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर ९ मूल घर होके बाराके निजगढमे रहते आएल २० बरिसके पुकार शिकारी काठमान्डुमे पेस्तौल सहित पक्राउ परल हए । काठमान्डुमे ठमेलके ज्याठासे शिकारीके पुलिस मेड इन युएसए लिखल एगो पेस्तौल आ मैगजिनमे लोड कएलगेल पाँच राउन्ड गोली सहित महानगरीय प्रहरी वृत्त दरमार्गके पुलिस शनिवार पक्राउ कएले हए । घटनाके विषयमे प्रहरी थप अनुसन्धान कररहल खबर हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें