शुक्रवार, 20 अप्रैल 2018

एगो गरिब बच्चाके पाँच बरिसके पढाइके जिम्मा लेले छत गौर १ के वडाध्यक्ष भरत साह
रौतहटके गौर नगरपालिका वार्ड नम्बर १ के वडाध्यक्ष भरत साह एगो गरिब बच्चाके पाँच बरिसतकके पढाइके खर्चा बेहोरेबाला भेल छत । विद्यालय भर्ना अभियानके तहत अपना वार्डके एगो बहुत गरिबके बच्चाके प्राथमिक विद्यालयमे भर्ना करइत आगामी पाँच बरसतक पढाइमे लागेबाला सम्पूर्ण खर्च बेहोरेके घोषणा कएले छत । अति गरिब परिवारके मनोज दासके ४ बरसके बेटा देवकुमार दासके अभिभावकत्वके जिम्मेवारी लेइत आगामी पाँच बरसतकके सम्पूर्ण शैक्षिक जिम्मेवारी लेबेके घोषणा वडाध्यक्ष साह कएले छत ।

९७ लिटर डिजल सहित एकजने भारतीय युवक परल हए पक्राउ
सशस्त्र प्रहरी बल नेपालके सशस्त्र सीमा सुरक्षा कार्यालय रौतहटके टोली ९७ लिटर डिजलके साथ एकजने भारतीय युवकके पक्राउ कएले हए । कार्यालयसे खटल टोली गौर नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ पुरेनवामे सार्वजनिक सडकपर भारत बिहारके सीतामढी जिलाके पर्सा ग्राम पंचायत वार्ड नम्बर ३ के रहनिहार प्रेम शंकर राय यादवके २३ बरिसके बेटा वीरबल यादव सिडी १०० हिरो होन्डा मोटरसाइकिलपर प्लास्टिकके तीनगो गैलनमे भरके ९७ लिटर डिजल सहित पक्राउ कएले हए । पक्राउ परल यादवके डिजल आ मोटरसाइकिल सहित भन्सार कार्यालयमे बुझाबलगेल सीमा सुरक्षा कार्यालय रौतहट जानकारी करएले हए ।

एसइइ परीक्षा देलाके बाद ब्रिज कोर्षके चलल हए होड
एसइइ परीक्षाके बाद ब्रिज कोर्षके होडबाजी चलल हए । परीक्षा देलाके बाद अधिकांश विद्यार्थी भरतपुर, हेठौडा आ काठमान्डु पकडले हए । एचए, सिमए, नर्सिङ, आइएससी लगायतके पढाइ पढेके लेल दू महिना ब्रिज कोर्ष करेके चलन चलल हए । प्राविधिक पढाइके ओर अत्यधिक चाहना बढलाके कारण पढेके लेल प्रतिस्पर्धाके तैयारीके रुपमे ब्रिज कोर्षके परिभाषित कएलगेल हए । ब्रिज कोर्षके चलन बढलाके कारण अब एसइइ देलाके बाद कौनो भी परीक्षार्थी घरे बैठे नचाहले । सामुदायिक तथा संस्थागत विद्यालयमे पढेबाला कौनो भी परीक्षार्थी अपनाके आउरो प्रतिस्पर्धी बनाबेला ब्रिज कोर्ष पढइत देखल जारहल हए । ब्रिज कोर्ष कराबेबाला संस्था एही दू महिनामे मालामाल होरहल देखलगेल हए । मध्यरौतहटसे मात्रे करिब तीन सयसे बेसी छात्रछात्रा ब्रिज कोर्ष पढरहल देखलगेल हए । ब्रिज कोर्षके चलनसे बहुत अभिभावकके परसानी भी बढल देखलगेल हए ।

कटहरिया नगर क्षेत्रमे नालाके कएलगेल हए शिलान्यास
रौतहटके कटहरिया नगरपालिकामे नालाके शिलान्यास कएलगेल हए । पूर्वमन्त्री एवं चर्चित विकासवादी नेता प्रभु साहके पहलमे कटहरिया नगर क्षेत्रमे निर्माण होएबाला नालाके प्रदेश साँसद कुन्दन कुशवाहा शिलान्यास कएले छत । शिलान्यास कार्यक्रममे समिना हुसेन, कटहरिया नगरपालिकाके मेयर सियाराम कुशवाहा लगायत स्थानीय राजनीतिकर्मी, समाजसेवी, बुद्धिजीवीके उपस्थिति रहल रहे ।

मोटरसाइकिल दुर्घटनामे परके बारामे एकजने भारतीयके भेल हए मृत्यु
बारा जिलाके एगो मोटरसाइकिल दुर्घटनामे परके एकजने भारतीयके मृत्यु भेल हए । बाराके कलैया उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर १४ मे रहल भुलैया नदीमे मोटरसाइकिल दुर्घटना भेल रहे । मोटरसाइकिल दुर्घटनामे परके भारतके भगत सिंह गल्ली भन्डावालीके रहनिहार २६ बरिसके वकिल कुमारके घटनास्थलपर ही मृत्यु भेल हए । दुर्घटनाके विषयमे बारा प्रहरी अनुसन्धान कररहल खबर प्राप्त भेल हए ।

अदालतमे प्रेमिका निवेदन देलापर रुकल वार्ड सदस्यके सादी
पर्सा जिलामे एगो युवतीके निवेदनके आधारपर एगो वार्ड सदस्यके सादी रुकल हए । सखुवा परसौनाी गाँओपालिका वार्ड नम्बर २ से निर्वाचित वडा सदस्यके सादी पर्सा जिला अदालत रोकले हए । वडा सदस्य प्रदीप चौधरीके सादी जिरा भवानी गाँओपालिलकाके सुपौली गाँओमे तय भेल रहे लेकिन लेकिन चौधरीके परोसी गाँओके एगो युवतीसे बितल छओ सालसे प्रेम सम्बन्ध चलइत आरहल आ मन्दिरमे सादी भी करचुकल कहके पीडित युवती अदालतमे निवेदन देलाके बाद चौधरीके सादी रुकल हए । पर्सा जिला अदालतके मुख्य न्यायाधीश नागेन्द्रलाल कर्णके इजलाससे सादी रोकेके आदेश देलगेल हए । सदस्य चौधरी अपना प्रेमिकाके बहला फुसलाके दोसरासे सादी करे लगलापर प्रेमिका अदालतमे मुदा दर्ता करएले रहे । स्रोतसे मिलल जानकारीके मोताबिक प्रेमिकाके निवेदन देबेसे पहिले ही बितल चैत २५ गते पर्सा जिला अदालतसे सादी रोका कराबे नपाबेके आदेश करएले रहे । ओही आदेशके आधारपर चौधरीके सादी वैशाख ६ गते तोकलगेल रहे । अदालतके आदेशके विषयमे प्रेमिकाके मालूम होएलापर पर्सा जिला अदालतमे पुगके निवेदन दर्ता करएलापर चौधरीके सादी रुकल हए । सादी होएबाला दुनु घरमे सादीके सम्पूर्ण तयारी पूरा भेल आ दुनुके घरमे मेहमान लोगके आगमन होएलाके बाद सादी रोकेके आदेश आएल हए । पर्सा जिला अदालतके आदेश अएते आदेशके पालना कराबेला पर्सा प्रहरी लडकीके गाँओ सुपौलीमे पुगके सादी रोक्काके सूचना टाँस कएले हए ।

सिम्रौनगढमे निर्धन उत्थान बैंक कएले हए अन्तरक्रिया

बारा जिलाके सिम्रौनगढमे निर्धन उत्थान बैंक अभिभावक अन्तरक्रिया सम्पन्न कएले हए । अन्तरक्रिया कार्यक्रममे प्रमुख अतिथि बैंकके क्षेत्रीय कार्याल वीरगंजके प्रमुख अजउल्लाह दर्जी बैंकके गतिविधि, लगानी, असुली, बचत, भावी नीति लगायतके विषयमे स्पष्ट कएले छत । सिम्रौनगढ नगरपालिका वार्ड नम्बर ११के वडाध्यक्ष हेमचन्द्र जैसवालके अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें