गुरुवार, 19 अप्रैल 2018

लक्ष्यसे अधिक उठल हए भन्सार राजस्व
रौतहटके गौर भन्सार कार्यालय चैत महिनामे लक्ष्यसे बेसी राजस्व उठाबेमे सफल भेल  हए । भन्सार अधिकृत विमल साहके नेतृत्वमे तस्करीपर बहुत कडा  निगरानी रखलासे भन्सार राजस्वमे वृद्धि भेल हए । नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी बलके साथे दिन आ रात दुनु समयमे अनेक बेर भन्सार छली होएबाला विभिन्न नाकाके छड्के गस्ती कएलापर लाखोके भन्सार पक्राउ कके दाखिला भी कएलगेल हए । नियमित गस्तीसे भन्सार छली करेबालामे त्रास उत्पन्न होएलाके कारण भी चैत महिनामे लक्ष्यसे बेसी राजस्व उठेमे सफल भेल हए । चैत महिनाके भन्सार राजस्वके लक्ष्य एक करोड छपन लाख रहल आ गौर भन्सार कार्याल एक करोड तिरसठ लाख राजस्व संकलन कएले भन्सार अधिकृत विमल साह जानकारी करएले छत । नेपाल पुलिस आ सशस्त्र पुलिसके भन्सार राजस्व संकलनमे बहुत सकारात्मक भूमिका रहल भी अधिकृत साहके कहनाम हए ।

पुलिस राखके बिक्री भेल हए पेट्रोलियम पदार्थ
रौतहटके दक्षिणी भेगके पेट्रोल पम्पपर पुलिस राखके डिजल आ पेट्रोल बिक्री भेल हए । अपना नैतिकताके छोडके तेल भारतके ओर लेजाके बेचलाके चलते पम्पपर पुलिस राखके बिफेके दिन तेल बिक्री भेल हए । नेपाल आयल निगमसे केतनो तेल अएलापर भी तेलके कभी होइते रहल आ भारतके ओर तेलके तस्करी बढलासे बुधके दिन दखिनी रौतहटके कौनो पेट्रोल पम्पपर डिजल आ पेट्रोल नरहे । नेपालके तुलनामे भारतके ओर डिजल आ पेट्रोल दुनु महङ होएलासे कुछ नाफाखोरके कारण रौतहट बदनाम भेल हए । बिफेके दिन गैलन आ कन्टरमे तेल नदेके गाडीमे मात्रे तेल देलगेल हए । गाडीमे मात्रे तेल देलासे बोरिङसे सिंचाइ करेबाला किसानके परसानी बढल देखलगेल हए ।

गरुडा चौकसे सरकारी स्कुलतकके सडक होरहल हए बेहाल
रौतहटके गरुडा नगरपालिकाके गरुडाके मूल चौकसे पुरुब जाएबाला सडक मेथुर चौकसे लेके विद्यालयतक बेहाल बनल हए । २०७३ माघ महिनामे ही पीच बनाबेके लेल खनाएल सडक सबा एक बरिससे बेसी होएलापर भी बने नसकलासे सडकके बेहाल भेल हए । गर्मी होएतेमे अत्यधिक धुरा उडेके आ तनिको मेघ बरसलापर कादो कादो होइते आरहल हए । हावा बहलापर भी सडकपर चलेके अवस्था नरहले । धुरा गरदासे देह भथर जाएके आ नाक मुहमे गरदा भरलासे परसानी होरहलापर सम्बन्धित निकायके ध्यान नजारहल हए । मूल चौकसे सटले पुरुब सडकके अइसन अवस्था देखके सर्वसाधारण सम्बन्धित निकायसे कमसे कम सामान्य मरम्मतके अपेक्षा रखले हए । गरुडा नगरपालिकाके नमुना विद्यालयसे लेके मध्यरौतहट बहुमुखी क्याम्पसमे अध्ययन करेबाला विद्यार्थीके लेल मुख्य सडक ही इहे होएलासे अत्यधिक धुरा गरदासे विद्यार्थीके स्वास्थ्यपर गम्भीर असर पररहल अवस्थाके विचार करइत सम्बन्धित निकायके ध्यान जल्दी जाएके आवश्यकता रहल हए ।

प्लानद्वारा विभिन्न विद्यालयमे शैक्षिक तथा खेलकुद सामग्री प्रदान
प्लान इन्टरनेशनल नेपालके आर्थिक सहयोगमे सेतो गुराँस बाल विकास सेवा रौतहटके आयोजनामे विभिन्न विद्यालयमे शैक्षिक सामग्री तथा खेलकुद सामग्री प्रदान कएलगेल हए । बितल बर्ष आएल दाहरसे प्रभावित विद्यालयके सहयोगके रुपमे विभिन्न सामग्री प्रदान कएलगेल हए । नमुना माध्यमिक विद्यालय गरुडामे तीन सेट किट, अनाथालय प्रावि गरुडामे दू सेट किट, सरस्वती प्रावि महम्मदपुरमे दू सेट किट, जनज्योति प्रावि गरुडा ठेठरहियामे दू सेट किट, प्रावि शिवनगरमे दू सेट किट, दुर्गा प्रावि महम्मदपुरमे दू सेट किट प्रदान कएले इसिडीके सुपर भाइजर महेन्द्र सहनी जानकारी करएले छत ।

नाहरमे डुबके एकजने भारतीयके भेल हए मृत्यु
नाहरमे डुबके एकजने भारतीयके मृत्यु भेल हए । रौतहटके बौद्धीमाई नगरपालिका वार्ड नम्बर ५ मे रहल नाहरमे नहाएके क्रममे एकजने भारतीय युवकके डुबके मृत्यु भेल हए । हुलाकी राजमार्गमे काम कररहल भारतके एकजने मजदुरके मृत्यु भेल हए । भारत घर भेल अठारह बरिसके भागिरथ यादवके विफेके दिन नाहरके पानीमे डुबके मृत्यु भेल खबर हए ।

सर्लाहीमे दुगो घरसे लाखो रुपैयाके भेल हए चोरी
सर्लाही जिलामे दुगो घरसे लाखो रुपैयाके चोरी भेल हए । सर्लाहीके हरिवन नगरपालिका वार्ड नम्बर ७ कुशवाहा टोलाके रहनिहार राजकिशोर ठाकुर आ हसमुन नेसाके घरमे लाखोके चोरी भेल हए । दुनु जनेके घरसे नगद आ सोनाके गरगहना समेत मिलाके करिब दू लाख तिरासी हजार रुपैया बराबरके धनमाल चोरी भेल हए । घटनाके विषयमे सर्लाही पुलिस अनुसन्धान कररहल हए ।

ट्रकमे ही भेल आगलागीसे लाखो रुपैयाके पहुँचल क्षति

पर्साके वीरगंजमे एगो ट्रकमे आगलगी होएलासे लाखोके क्षति पहुँचल हए । वीरगंज महानगरपालिका वार्ड नम्बर २० मनिहारीमे रहल सडकपर सिर्सिया ड्राइपोर्टसे रासायनिक खाद लोड कएले ना ४ ख १२२३ नम्बरके ट्रकमे बिफेके दिन तार सट होके आगलगी भेल हए । आगलगीसे ट्रकके इन्जिनके भाग पूर्ण रुपसे जरके नष्ट भेलासे लाखोके क्षति पुगल हए । घटनाके विषयमे पर्सा पुलिस अनुसन्धान कररहल खबर प्राप्त भेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें