बुधवार, 18 अप्रैल 2018

गढिमाई नगरपालिकाके नगरप्रमुख श्याम यादवद्वारा मा.वि. बिरनगराके लाखो सहयोग घोषणा
गढिमाई नगरपालिकाके मेयर शयाम प्रसाद यादव मा.वि. बिरनगराके लाखो रुपैयाके सहयोग घोषणा कएले छत । मा.वि. बिरनगराके बर्षिक परिक्षाके नतिजा घोषणा समारोहमे अपन मन्तव्य व्यक्त करइत विद्यालयके लेल थप १० लाख रुपैया घोषणा कएले छत । ऐसे पहिले विद्यालयके लेल नगर परिषदद्वारा ५ लाख रुपैया विनयोजन कएले रहे । कार्यक्रममे मेयर यादव विद्यालय पहिल, दोसर आ तिसर स्थान प्राप्त करेवाला हरेक कक्षाके विद्यार्थीके एक एक शब्दकोष प्रदान कएले छत । कार्यक्रमे नेपाल काँग्रेसके जिला सभापति कृष्ण यादव अपन मन्तव्य रखई कहलन स्कुलके पहिले भि सेवा कएले छि आवे वाला दिनमे अपनासे होएवाला हरेक किसिमके सहयोग करेके प्रतिब्धता व्यक्त कएले रहलन ओइसहीय कार्यक्रममे पेब्यसन रौतहटके अध्यक्ष दिपक राय यादव, एमाले क्षेत्र नम्बर १ के इन्जार्च हरि राय यादव, प्रअ नागेन्द्र प्रसाद यादव, निवर्तमान विद्यालय व्यवस्थान समिति अध्यक्ष राम अज्ञया प्रसाद यादव अपन अपन मनतव्य व्यक्त कएले रहलन । कार्यक्रममके सभापतित्व मा.वि विरनगराके व्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष आ गढिमाई नगरपालिकाके वडा नम्बर ८के वडा अध्यक्ष बैनाथ ठाकुर कएले रहलन ।

मतदाता नामावली संकलन आ अद्यावधिक सम्बन्धी निर्वाचन आयोगके काम भेल शुरु
 निर्वाचन आयोग नेपला बैशाख २ गतेसे सभि क्षेत्रीय जिला निर्वाचन कार्यलायसबमे मतदाता नामावली संकलन करेके काम शुरु कएले हए । मतदाता नामावलीमे नाम रहल मतदाताके विवरण अखवधिक जइसे नामावली दोसरक जगह करेके विवरण मिलाके के आ नामावलीके नाम हटावेके लेल निर्धारित अनुसूची बमोजिम निवेदन लेके अद्यावधिक करेके काम संचालन होरहलासे आवश्यक कागज प्रमान सहित  सम्बन्धित जिला स्थित क्षेत्रीय जिला निर्वाचन कार्याल्यमे सम्पर्क राखेके लेल निर्वाचन आयोग आग्रह कएल्े हए ।

गढीमाई नगरपालिका वार्ड नम्बर २ के वडाध्यक्ष दासके स्वास्थमे सुधार
गढीमाई नगरपालिका वार्ड नम्बर २ के वडाध्यक्ष जोगी दासके मस्तिष्कघात भेल रहे । मस्तिष्कघातके उपचार विरगन्जके न्यूरो होस्पीटलमे इलाज चलरहल आ हुनका स्वास्थ्यमे क्रमिक रुपमे सुधार होरहल हए । बितल तिन गते हुनको सबेरे करिब सात बजेके समयमे मस्तिष्कघात भेल हए । सबेरे अपनासे सामान्य रुपसे उठके नित्य कर्म कएलाके बाद चौकपर जाके चाय पिलाके बाद टेक्टरपर सिमेन्ट लोड करबबइत अवस्थामे शिरमे दर्द सुरु भेल आ स्थानीय क्लिनिकमे अपनेसे पहुँचलापर ढनमनाएल रहे । ओकरा कुछे देरमे बेहोस होगेल दासके वीरगंज न्युरो अस्पतालमे इलाज करावे लेगेल रहे ।

एनसेलके नेटवर्क काम नकएलासे रौतहटके उपभोक्तासव परल मारमे ।


वितल कुछ दिनसे रौतहट सहितके जिलामे एनसेलके मोवाइल नेटवर्क काम नकएलासे उपभोक्तासव मारमे परल हए । लगभग ५ दिनसे एनसेल मोवाइलके टावरमे समस्या अएलासे एनसेलके उपभोक्ताके दिक्कत होरहल हए । टावरके प्रोबलेमके कारण एनसेलके नम्बरसे फोन नलागरहल हए । एनसेलके नम्बरसे बहुत कोसिस कएलापर मात्रे कभि फोन लागरहल आ लागलापर भि लगले कट जारहल समस्यासे उपभोक्तासव परसान बनल हए । एनसेलके नम्बरसे फोन नलागरहलासे पिडित बनल उपभोक्तासव टावरके समस्या तुरन्त समाधान करेके लेल सम्बन्धि निकायसे माग कएले हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें