मंगलवार, 17 अप्रैल 2018

साँझमे आएल आन्हीपानीसे मौसम भेल अनुकूल लेकिन लगनके दिन होएलासे सर्वसाधारणके भेल परसानी
दिनभर गर्मीके मंगलवार साँझमे आन्हीपानी आएल हए । अत्यधिक जोरसे आएल आन्हीपानीसे मौसम अनुकूल बनल हए । दिनभर गर्मीसे लोग परसान बनल रहे । लेकिन साँझमे आएल आन्हीपानीसे लोगके कुछ ठन्ढा भेल हए । ठन्ढा होएलासे मौसम अनुकूल भेल हए । लेकिन आन्हीपानीसे व्यापक क्षति भी पहुँचल हए । शिवनगरमे एगो घरके पूरा टिन उडादेले खबर हए । घर उडादेलासे घरमे लाखोके क्षति पहुँचल प्रत्यक्षदर्शी गेडहीगुठीके सक्रिय राजनीतिकर्ता युवा मनोजकुमार सहनी जानकारी करएले छत । अइसही आमपर भी व्यापक क्षति भेल हए । आमपर एई सालके मौसम पूरा प्रतिकूल देखलगेल हए । मंगलवार साँझके आन्हीसे फेर बहुत टिकोला झरल हए ।  अइसही खेतमे रहल गहुँके भी आन्हीपानीसे व्यापक क्षति भेल हए । साथे लगनके दिन होएलासे बहुत जगहके टेन्ट उडएले हए । बरियातके निकलेके समयमे आएल आन्हीपानीसे बरियातपर भी प्रतिकूल प्रभाव परल हए ।

शंकास्पद अवस्थामे एक महिलाके सव बरामद
रौतहटमे एक महिलाके शंकास्पद अवस्थामे मृत्यु भेल सब बरामद भेल हए । घटनाके छानविन आ विस्तृत अनुसन्धानके लेल प्रहरी एक जनाके पक्राउ कएले हए । कटहरीा नगरपालिका वडा नम्बर १ हर्षाहाटोलके मुकेश चौरसियाके घरवाली २५ बर्षिइ सिमा देवी चौरसियाके मृत्यु भेल हए । चौरसियाके घरसे करिब दु सय मिटर उत्तरमे रहल खेलमे शव चित रहल अवस्थामे मंगलवारके सबेरे बराम भेल प्रहरी जनएले हए। सिमाके मृत्युके कारण खले नसकला घटना स्थलमे पुगल ईलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके प्रमुख प्रहरी निरिक्षक गोबिन्द थापा जानकारी करएले हए । घटनाके थप अनुसन्धा तथा सोधपुछके लेल मृतक सिमा चौरसियाके सास रम्भा देवी चौरसियाके नियन्त्रणमे लेल जानकारी प्रहरी निरिक्षक थापा जनएले हए। मृतकके घरवाला मुकेश चौरसिया चारमहिना पहिले हि बैदेशिक रोजगारीके लेल मलेसिया गेल हए। घरमे सास आ आन्हर ससुर रहल हए ।

करेन्ट लागके एगो बालिकाके भेल हए मृत्यु
करेन्ट लागके रौतहटमे एगो बालिकाके मृत्यु भेल हए । रौतहटके यमुनामाई गाँओपालिकाके भेडियाहीमे करेन्ट लागके मंगलवार एगो बालिकाके मृत्यु भेल हए । यमुनामाई गाँओपालिका वार्ड नम्बर २ भेडियाहीके उमेश यादवके दश बरिसके बेटी उषाकुमारी यादवके करेन्ट लागके मृत्यु भेल हए । मंगलवार दुपहरियामे घरमे खेलइत अवस्थामे अचानक करेन्ट लागके बालिका गम्भीर घाएल भेल रहे । गम्भीर घाएल बालिकाके इलाजके लेल गौरके ओर लेजाएके समय रास्तामे ही बालिकाके मृत्यु भेल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए । मृतक बालिकाके लास जिला अस्पताल गौरमे पोस्टमार्टम कके परिवारजनके जिमा लगाबलगेल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके डिएसपि रामकुमार दानी जानकारी करएले  छत ।

दू सहिद पत्नीके वीरगंज महानगरपालिका देले हए नोकरी

वीरगंज महानगरपालिकाके नगर प्रमुख विजय कुमार सरावगी मधेस आन्दोलनके दू जने सहिदके नोकरी देले छत । एक कार्यक्रमबीच दू सहिद पत्नीके महानगरके मेयर सरागवी नियुक्तिपत्र देले छत । मधेस आन्दोलनमे सहिद भेल दिनानाथ साह गोढके घरबाली सोनीदेवी साह आ दीपेन्द्र साह तेलीके घरबाली सीतादेवी साहके महानगरके मेयर सरावगी नियुक्तिपत्र देले छत । वीरगंज महानगरपालिकाके प्रथम नगर परिषदसे मधेस आन्दोलनके सहिद तथा घाएलके परिवारके उचित व्यवस्थापन करेके निर्णय मोताबिक सहिद पन्ती साह आ तेलीके नियुक्तिपत्र प्रदान कएलगेल हए । पर्सा जिलाके झौवागुठी निवासी सीता आ बारा जिलाके पर्सौनी निवासी सोनीके वीरगंज महानगरपालिका कार्यालयमे करार सेवा अन्तर्गत प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत गोपाल प्रसाद रेग्मी नियुक्त कएले छत । शैक्षिक योग्यताके आधारपर सोनीके नगर प्रहरी आ सीताके कार्यालय सहयोगी पदपर नियुक्त कएलगेल हए । कार्यक्रममे प्रशासकीय अधिकृत सुमन श्रेष्ठ, राजनीतिक सलाहकार मुकेश द्विवेदी, सुशील साह कानु, नेता शशीकपूर मियाँ, सुधीर पान्डे, रन्जन मिश्र लगायतके उपस्थिति रहल रहे ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें