गुरुवार, 17 मई 2018

शिक्षक संगठनके जिला सम्मेलनके सम्पूर्ण तयारी भेल पूरा
नेपाल राष्ट्रिय शिक्षक संगठन रौतहटके बारहमा जिला सम्मेलनके सम्पूर्ण तयारी पूरा भेल हए । रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ गरुडाके मित्रनगरमे रहल तुलसीलाल स्मृति प्रतिष्ठानके सभा हलमे शुक्रबार होए जारहल शिक्षक संगठनके बारहमा जिला अधिवेशनके सम्पूर्ण तयारी पूरा भेल आयोजक जनएले हए । सम्मेलनसे नयाँ कार्य समितिके चयन करेके कार्यक्रम भी रहल संगठनके अध्यक्ष मणिशंकर लाल निधि जानकारी करएले छत ।

एमाले आ माओवादीबीच एकीकरण होएलासे कार्यकर्तामे छाएल हए उत्साह
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एकीकृत माक्र्सवादी लेनिनवादी आ नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी माओवादी केन्द्रबीच एकीकरण होएलाके बाद रौतहटके कार्यकर्ता लोगमे उत्साह छएले हए । दुनु पार्टी मिलके एगो नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी बनलासे देशके सबसे लमहर पार्टी बनल हए । दुुनु पार्टी बीच एकीकरण होएलाके बाद नेकपा एमाले पर्साके जिला संगठन समितिके उपाध्यक्ष एवं पार्टी प्रवक्ता डा. विश्वम्भर शर्मा पार्टी एकता दिनके ऐतिहासिक बतएले छत । अइसही नेपाल राष्ट्रिय शिक्षक संगठनके रौतहट अध्यक्ष मणिशंकर लाल निधि एकीकरण सम्पूर्ण नेपाली जनताके इच्छा आ चाहनाके मोताबिक रहल स्पष्ट कएले छत ।

गरुडाके इन्स्पेक्टर थापाके भेल हए सरुवा
रौतहटके गरुडामे रहल इलाका प्रहरी कार्यालयके प्रमुख इन्स्पेक्टर गोविन्द थापाके सरुवा भेल हए । इन्स्पेक्टर थापाके सरुवा प्रहरी प्रधान कार्यालय नक्सालमे सरुवा भेल हए । इमानदार प्रहरी निरीक्षकके छवि बनएले इन्स्पेक्टर थापाके सरुवा केन्द्रीय कार्यालयमे भेल हए । हुनका जगहपर के आरहल हए एकर निश्चित अभी नभेल खबर प्राप्त भेल हए ।

रमजानके अवसरपर गरिब मुस्लिम समुदायमे कएलगेल हए खाद्यान्न वितरण
इस्लामिक रिलिफ नेपालके सहयोग तथा ग्रामीण विकास केन्द्र नेपाल रौतहटके सहयोगमे दू हजार अन्ठावन राहत किट वितरण कएलगेल हए । गुजरा नगरपालिकाके बासिन्दाके दू सय सताइस, परोहा नगरपालिकामे पाँच सय उनइस, यमुनामाई गाँओपालिकामे तीन सय बारह, कटहरिया नगरपालिकामे दू सय पचीस थान राहत किट वितरण कएलगेल ग्रामीण विकास केन्द्र रौतहटके अध्यक्ष पारस हुसैन जानकारी करएले छत ।

फतुवा महेशपुरमे विद्यार्थीके कएलगेल शैक्षिक सामग्री वितरण
रौतहटके फतुवा महेशपुरमे रहल आधारभूत विद्यालयमे शैक्षिक सामग्री वितरण कएलगेल हए । ग्रामीण विकास केन्द्र रौतहटके मार्फत विद्यालयमे अध्ययनरत विद्यार्थीके शैक्षिक सामग्री प्रदान कएलगेल हए । कक्षा एकसे कक्षा पाँचतक अध्ययनरत बालबालिकाके कापी बारह थान, कलम बारह थान, पेन्सिल बारह थान आ औजार बक्सा एक एक थान प्रदान कएलगेल हए । फतुवा महेशपुरके वडाध्यक्ष शेख नसरुलाह, विद्यालय व्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष शेख हाफिज, विद्यालयके प्रधान शिक्षक शम्भु साहके रोहबरमे चार सय पचास जने विद्यार्थीके शैक्षिक सामग्रीके किट प्रदान कएलगेल अध्यक्ष हुसेन जानकारी करएले छत ।

लैंगिक समानता आ सामाजिक समावेशीकरण सम्बन्धी जनचेतना कार्यक्रम भेल हए सम्पन्न
रौतहटके राजपुर नगरपालिकाके सहयोगमे महिला उत्थान केन्द्रके आयोजनामे लैंगिक समानता तथा समाजिक समावेशीकरण जनचेतना कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए । राजपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ३ पोखरिया टोलाके अध्यक्ष शेख हारुनके अध्यक्षतामे महिला तथा बालबालिका कार्यालयके पवित्रा मरासिनी, महिला नेतृ अम्बेया खातुन, राधाजी साह, अपसना खातुन लगायत महिला वक्तालोग बालविवाह निरत्साहित करइत बालबालिकाके शिक्षापर विशेष जोड देले छत । बालबालिकाके पढाइसे बेसी लोगमे सादीके चिन्ता रहलासे अइसन पछाडि पारेबाला चिन्तनके छोडके जीवनके गतिशील बनाबेला आ जीवनके आउरो इँजोतके ओर अगाडि बढे देबेला शिक्षाके बेसी महत्व रहलासे शिक्षापर विशेष जोड देनाइ उचित रहल स्पष्ट कएले छत ।

एगो फरार अभियुक्तके सर्लाही पुलिस कएले हए पक्राउ

बलात्कार मुदामे फरार एकजने अभियुक्तके सर्लाही पुलिस पक्राउ कएल्ो हए । बलात्कार मुदामे घटनाके बाद फरार रहल सर्लाही जिलाके कविलासी नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ के १८ बरिसके राहुल राय यादवके खोजतलास कएलापर बिफेके दिन सर्लाही पुलिस फेला पारेमे सफल भेल हए । राहुलके बलात्कार मुदामे कारबाहीके लेल जिला अदालत मलंगवामे पेश कएलगेल हए । घटनाके विषयमे सर्लाही पुलिस थप अनुसन्धान कररहल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें