शुक्रवार, 18 मई 2018

शिक्षकके समस्या सम्बन्धित निकायतक पुगाबेला प्रतिबद्धता व्यक्त कएले छत नेता राम कुमार भटराई
शिक्षकके समस्या सम्बन्धित निकायतक पुगाबेके लेल पूर्व साँसद रामकुमार भटराई प्रतिबद्धता व्यक्त कएले छत । नेपाल राष्ट्रिय शिक्षक संगठन रौतहटके बारहमा जिला अधिवेशनके उदघाटन करइत नेता भटराई शिक्षकके सभी कर्मचारीसे अलग किसिमके भूमिका होएलासे निराश नहोके कर्तव्य करेला आग्रह भी कएले छत । गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ मित्रनगरमे रहल तुलसीलाल अमात्य स्मृति सभा भवनमे संगठनके जिला अध्यक्ष मणिशंकर लाल निधिके अध्यक्षतामे भेल उदघाटन सत्रमे नेता भटराई समाजके उपर उठाबेमे, देशके अगाडि बढाबेमे आ विकास निर्माणके गति देबेके साथे चेतना आ विवेकसे काम करेमे शिक्षकके नाम गर्वसे लेबेके चलन होएलासे देशके वर्तमान आवश्यकताके मोताबिकके जनशक्ति उत्पादन करेला भी आग्रह कएले छत । सैकडो शिक्षकके सहभागिता रहल अधिवेशनमे नेपाल शिक्षक संघ, संघीय शिक्षक फोरम, शिक्षक मंच तथा अन्य जनवर्गीय संगठनके साथे नेकपाके विभिन्न तहके नेतालोग भी संगठनके बारहमा सम्मेलनके सफलताके शुभकामना व्यक्त कएले रहलन । अधिवेशनसे नयाँ नेतृत्वके चयन करेके सम्भावना भी रहल हए लेकिन संगठनके बारहमा जिला अधिवेशनके बन्द सत्र आगामी शुक्रबार मावि गरुडामे सबेरे एघार बजे होएके निश्चित भेल हए ।

सर्लाहीके एकजनेके ७० हजार रुपैया काठमान्डुमे भेल हए चोरी
सर्लाहीके एकजने युवकके ७० हजार रुपैया काठमान्डुमे चोरी भेल हए । सर्लाही जिलाके मलंगवाके  नजदिक विष्णु गाँओपालिका वार्ड नम्बर ४ घर रहल ३५ बरिसके युवक मनोज महतोके ७० हजार रुपैया काठमान्डुमे चोरी भेल हए । काठमान्डुके बाफलमे रहते आरहल महतो बाफलसे गौसालाके ओर जारहल अवस्थामे बसमे ही नगद चोरी भेल हए । बा ४ ख ४२१ नम्बरके बसमे सबार रहल महतोके अपना जेबीमे रखले ७० हजार रुपैया चोरी भेल हए । घटनाके विषयमे काठमान्डु पुलिस अनुसन्धान कररहल खबर हए ।

पेस्तौलसहित भारतके एकजने युवक वीरगंजमे परल हए पक्राउ
भारतके एकजने युवक पेस्तौल सहित वीरगंजमे पक्राउ परल हए । भारतके बिहार प्रान्तके मोतिहारी जिला अन्तर्गत कोडिहार ग्राम वार्ड नम्बर १९ रक्सौलके रहनिहार २३ बरिसके युवक अभिरन्जन साह हैन्डमेड पेस्तौल सहित पक्राउ परल हए । भारतसे नेपालके ओर आरहल युवक साह चढले भारतीय नम्बर प्लेटके बिआर ०५ एम ९२५४ नम्बरके मोटरसाइकिलके वीरगंज महानगरपालिका वार्ड नम्बर १६ शंकराचार्य गेटके नजदिक चेक कएलापर मोटरसाइकिलके सिटके निचासे एक थान पेस्तौल आ ओहीमे लागेबाला दू राउण्ठ गोली सहित पुलिस पक्राउ कएले हए । पक्राउ परल साहके नियन्त्रणमे लेके पर्सा पुलिस थप अनुसन्धान कररहल खबर हए ।

पर्सामे आगलगीसे तीन लाख रुपैयासे बेसीके भेल हए क्षति
पर्सा जिलामे भेल आगलगीसे तीन लाख रुपैयासे बेसीके क्षति पहुँचल हए । पर्सा जिलाके वीरगंज महानगपालिका वार्ड नम्बर २७ दसौली गाँओके रहनिहार ४५ बरसके बद्री दासके घरमे बिजुली सर्ट होके आगलगी होएलासे घर, मुर्गी फारम आ मुर्गीके दाना सहित मुर्गी भी जरल हए । मुर्गीके दाना १५ बोरा भी जरके नाश भेल हए । सभी मिलाके तीन लाख तीस हजार रुपैयासे बेसीके क्षति पुगल पुलिसके अनुमान हए । स्थानीय बासीके सहयोगमे नेपाल पुलिस आगलगीपर नियन्त्रण प्राप्त कएले खबर प्राप्त भेल हए । घटनाके विषयमे प्रहरी अनुसन्धान कररहल हए ।

वीरगंजके दुगो महिला मकवानपुरमे चरेस सहित परल हए पक्राउ

वीरगंजके दूजने महिला मकवानपुरमे चरेससहित पक्राउ परल हए । हेटौँडा उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर १ चौकी टोलामे मकवानपुरके पालुङसे हेठौडाके ओर आरहल बा ३ ख २८३१ नम्बरके बसके चेकजाँच कएलापर ओही बसमे सबार पर्सा जिलाके वीरगंज महानगरपालिका अन्तर्गतके नगवाके रहनिहार ६० बरिसके महिला उमादेवी आ ४५ बरिसके महिला आशा देवीके अपना देहमे नुकाके लेआरहल लागूऔषध चरेस सहित पक्राउ परल हए । दुनु जनेके पाससे करिब दश किलो चरस बरामद भेल पुलिस जानकारी करएले हए । घटनाके विषयमे थप अनुसन्धान होरहल मकवानपुर पुलिसके कहनाम हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें