रविवार, 13 मई 2018

दुर्गा पूजा तथा मन्दिर संचालन समिति गरुडाके साधारण सभा भेल हए सम्पन्न
रौतहटके गरुडामे रहल दुर्गा पूजा तथा मन्दिर संचालन समितिके साधारण सभा सम्पन्न भेल हए । समितिके अध्यक्ष रामप्रसाद राय यादवके अध्यक्षतामे भेल कार्यक्रममे प्रमुख जिला अधिकारी गोविन्द रिजाल, समाजसेवी रामकृष्ण चौधरी, कन्थमणि प्रसाद जयसवाल, रामजी साह, राम विनोद जयसवाल लगायतके लोग मन्तव्य व्यक्त कएले रहलन । गरुडा नगरपालिकाके मेयर इन्नु राय यादवके प्रमुख आतिथ्यमे भेल कार्यक्रममे उपस्थित सभीके राम भरोस राय यादव स्वागत कएले रहलन । कार्यक्रममे समितिके कोषाध्यक्ष धर्मनाथ प्रसाद जयसवाल ७६ लाख १ हजार ८९० रुपैया ९५ पैसाके आय व्यय प्रस्तुत कएले खबर प्राप्त भेल हए ।

महिनाके अन्तिम एतबारके दिन गरुडाके सभी होटल भेल बन्द
गरुडा नगरपालिकाके गरुडा बजारके सम्पूर्ण होटल एतबारके दिन बन्द रहल हए । गरुडामे होटल कएले सम्पूर्ण व्यावसायी महिनामे एक दिनके लेल होटल बन्द करेके निर्णय कएले हए । दोसरा कौनो भी सहरमे होटल बन्द करेके नियम नरहल लेकिन गरुडाके होटल व्यावसायी अपनेसे ही नियम बनाके महिनामे एक दिन होटल बन्द करेके नियम बनाके महिनाके अन्तिम एतबारके दिन आराम करेके निर्णय कएले हए । गरुडामे एगो होटल बन्द होएलासे एगो व्यावसायीके करिब दश हजार रुपैयासे बेसीके घाटा लागल एकजने व्यावसायीके ही कहनाम हए ।

जेठ ४ आ ६ गते शिक्षक संगठनके होएबाला हए बारहमा जिला अधिवेशन
नेपाल राष्ट्रिय शिक्षक संगठन रौतहटके जिला अधिवेशन जेठ ४ आ ५ गते गरुडामे होएबाला भेल हए । संगठनके जिला अध्यक्ष मणिशंकर लाल निधिके अध्यक्षतामे मावि गरुडामे भेल बैठकसे आगामी जेठ ४ गते शुक्रबार आ ५ गते शनिवार गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ मित्रनगरमे रहल तुलसीलाल स्मृति प्रतिष्ठान सभा भवनमे होएबाला भेल जानकारी कराबलगेल हए । जिला अधिवेशनके सम्पन्न करेला विभिन्न समितिके गठन कएलगेल हए । समितिके सफल करेला मणिशंकर लाल निधिके संयोजकत्वमे पाँच सदस्यीय कार्य दल गठन कएलगेल हए । अइसही मतदाता नामावली तयार पारेला राम शंकर साहके संयोजकत्वमे पाँच सदस्यीय उपसमिति गठन कएलगेल हए । सफिन्द्र प्रसाद यादवके संयोजकत्वमे स्थल तथा मंच व्यवस्थापन उपसमिति, देवेन्द्र साहके संयोजकत्वमे खाद्यान्न व्यवस्थापन गठन कएलगेल हए ।

कटहरियामे आवासीय भवनके कएलगेल हए शिलान्यास
रौतहटके कटहरियामे एक समारोहबीच आवासीय भवनके शिलान्यास कएलगेल हए । रौतहट क्षेत्र नम्बर ३ के साँसद एवं पूर्वमन्त्री प्रभु साहके पहलमे आएल आवासीय भवनके शिलान्यास एक कार्यक्रमबीच प्रदेश साँसद नागेन्द्र यादव कएले छत । कार्यक्रममे प्रदेश साँसद चन्दन कुशवाहा क्षेत्रके विकासके लेल माननीय प्रभु साहके प्रयाससे कटहरिया लगायतके क्षेत्र नम्बर ३ के अन्य भूभागमे बिकासके नयाँ लहर आएल स्पष्ट कएले छत । कार्यक्रममे मौलापुर नगरपालिकाके मेयर रीनाकुमारी साह, कटहरिया नगरपालिकाके उपमेयर नूरजहाँ खातुन, मनोज यादव, त्रिभुवन साह, पलट चौधरी, राकेश गिरी, चन्द्रशेखर, हरिओम साह लगायत स्थानीयबासीके उपस्थिति रहल रहे ।

पार्टी कार्यालय निर्माणके लेल करिब एक करोड रुपैया मूल्य परेबाला जमिन जादोलाल महतो देले छत निशुल्क
रौतहटके कटहरियाके पूर्व गाविस अध्यक्ष जादोलाल महतो पार्टी कार्यालय निर्माणके लेल दू कठा जमिन निशुल्क उपलब्ध करएले छत । रौतहटके संसदीय निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ३ मे वाम गठबन्धन कार्यालय भवन निर्माणके लेल एक करोड रुपैयासे बेसी मूल्य परेबाला जमिन निशुल्क देले छत । कटहरिया नगरपालिका वार्ड नम्बर ५ मे रहल जमिन पूर्व मन्त्री एवं साँसद प्रभु साहके पहलमे महतो भवन निर्माणके लेल जमिन पास कएले छत । पार्टी कार्यालय निर्माणके लेल विभिन्न महानुभाव लाखोके सहयोग घोषणा भी कएले छत । इँटा उत्पादक संघ रौतहटके अध्यक्ष राम विनोद साह तीनतले भवनके लेल लागेबाला सम्पूर्ण इँटा निशुल्क देबेके घोषणा कएले छत । अइसही भवन निर्माणमे पोठियाहीके रामबाबु साह दू लाख पचास हजार, कटहरिया नगरपालिकाके उपमेयर नूरजहाँ खातुन एक लाख पाँच हजार, शिक्षक जय किशोर साह एक लाख रुपैया बराबरके पचीस टेलर गिटी, कटहरियाके ही योगेन्द्र साह ५१ हजार, कटहरिया नगरपालिका वार्ड नम्बर ७ के अध्यक्ष हरिभजन साह पचीस हजार, वडा नम्बर ८ के वडाध्यक्ष नवध राय यादव पचीस हजार रुपैया देबेके घोषणा कएले छत । भवन निर्माणके क्रममे अन्य विभिन्न नगरपालिका तथा व्यावसायी लोगसे भी सहयोग होएके सम्भावना रहल हए । वाम गठबन्धनके रौतहट क्षेत्र नम्बर १ के गौरमे आ क्षेत्र नम्बर ४ के गरुडामे अपन भवन रहल हए लेकिन क्षेत्र नम्बर ३ मे अपन कार्यालय भवन नहोएलाके कारण कटहरिया नगरपालिकाके मुख्य बजार रहल जगहपर ही भवन निर्माण होएबाला होएलासे वामपन्थी खेमामे खुसी महसुस कएलगेल हए ।

पर्सा पुलिस एकजनेके लागू औषधसहित परल हए पक्राउ

पर्सा जिलामे एगो युवक लागू औषधसहित पक्राउ परल हए । पर्सा जिलाके ठोरी गाँओपालिका वार्ड नम्बर २ चौकपर डाँडागाँओके रहनिहार १९ बरिसके सन्दीप सुनारके साथमे रहल नाइटोभेट २ सय १९ टेबलेट आ स्पास्मो प्रोक्सिभोन प्लन २४ तेबलेट सहित पुलिस पक्राउ कएल्े हए । पक्राउ परल युवकके नियन्त्रणमे लेके अनुसन्धान कररहल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें