बुधवार, 1 अप्रैल 2020

मा.वि. गरुडामे ३० बेडके क्वारेनटाइन बनेके भेल निश्चित
****************************************************
रौतहट जिलाके गरुडा नगरपालिकाद्वारा विश्वमे महामारीके रुप लेले कोरोना भाइरसके संक्रमणसे बचेके लेल थप ३० बेडके क्वारेनटाइन गरुडा स्थिती माध्यमिक विद्यालयमे बनाबेके लेल निश्चित भेल हए नगरपालिकाद्वारा कुछ दिन पहिले १५ बेडके क्वारेनटाइन शिवनगर स्थित अस्पतालमे बनाएल गेल रहे। लेकिन शिवनगरमे १५ बेड बहुत कम होएलाके चल्ते भविष्यमे कोरोना भाइरसके संक्रमणसे आम नागरीकके बचावेके लेल थप ३० बेडके क्वारेनटाइन बनाबेके बात नगरपालिकाके निमित प्रशासकिय प्रमुख मो. मुस्ताक आलम जानकारी करएलन माध्यमि विद्यालय गरुडाके पहिलका तल्लाके गो रुपमे क्यारेनटाइन बनाबेके साथे निचला तलामे प्रहरी, प्रशासन डक्टरके व्यवस्था करेवाला भेल हए नगरपालिकाके निमित प्रमुख आलम, स्वास्थ्य संयोजक जनार्धन झा, ईलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके डिएसपी ज्ञानकुमार महतो, विद्यालय व्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष तथा वडा अध्यक्ष चुनचुन प्रसाद साह, विद्यालयके प्रधानाध्यापक प्रभुराउत सहित विज्ञटोली विद्यालयमे पहुचके निरीक्षण कएलाके बाद ३० बेडके क्वारेनटाइन बनाबेके निर्णय कएल गेल हए

फतुवा विजयपुरमे क्वारेन्टाइन रहलाके बाद भि सशांकित होम क्वारेनटाइनमे
********************************************
फतुवा विजयपुर नगरपालिकाके क्वारेनटाइन मा.वि. दुधिअवामा मंगलवार जना क्वारेनटाइनमा चेकजाँच कके होम क्वारेनटाइनमे रहेके लेल फिर्ता पठाएल गेल हए फतुवा विजयपुर वाड नम्बर पेटभर्वाके प्रेम कुमार साह, मिना कुमारी साह निर्मला साहके उपचारके लेल भारत गेल रहे उपचारके बाद लक डाउनमे परके बारा जिलाके नातेदार किहन ११ दिनसे रहइत आएल रहे मंगलवारके दिन मेयर गोपाल यदावसे सम्पर्क कएलाके वाद मेयर यादव नगरपालिकाके एम्बुलेन्स पठाके दुधिअवा क्वारेनटाइनमे लेआएल रहे क्वारेनटाइनमे लेअएलाके वाद आवश्यक चेकजाँच कएलापर बोखार खोकी जइसन कौनो असर नदेखलाके बाद मंगलावरके दिन होम क्वारेनटाइनके लेल घर पठाएल गेल क्वारेनटाइन इन्चार्ज तथा स्वास्थ्य उपसंयोजक प्रभु पटेल बतएले हए साथे दुधिअवा क्वारेनटाइनमे आवश्यक सम्पूर्ण व्यवस्था पुरा भेल मेयर गोपाल यादव बतएले खबर प्रत्रकार रन्जन खरेल जानकारी करएले हए

भारतके दिल्लीमे रौतहटके १७ जनाके राखल गेल क्वारेनटाइनमे
*******************************************************
भारतमे कोरोना भाइरस फैलावेके भूमिका खेलले कहलगेल धार्मिक सभामे सहभागी भेल रौतहटके १७ जना नेपालीके भारतके दिल्लीमे रहल क्वारेनटाइनमे राखल गेल हए रौतहट जिल्लाके चन्द्रनिगाहपुरके जना, विर्ताके जना, भुषहाके जना, जिंगडियाके जना, करुनियाके जना, कुडियाके जना, कुडिया राजपुरके जना राजपुर अकोलवाके जना प्रतापपुर पल्टुवाके जना कके जम्मा १७ जनाके भारतके दिल्लीमे रहल क्वारेनटाइनमे रखल गेल हए   मार्च महिनाके सुरुवातमे नयाँदिल्ली स्थित निजामुद्दीदमे मुस्लिम संस्था तबलिगी जमातके मुख्य कार्यालयमे आयोजित धार्मिक सभामे सहभागी भेल रहे प्रहरी दिल्ली जमातमे सहभागी भेल रौतहटके सभि जनाके दिल्लीमे रहल क्वारेनटाइनमे हि राखके उपचार होरकल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रमुख रबिराज खडका बतएले हए गत फाल्गुन गते से गते तक भेल मुस्लिम धार्मिक सभा सकलाके बाद मुस्लिम समुदायके व्यक्तिसब जमातमे सहभागी होएके लेल दिल्ली गेल रहे दिल्लीके निजामुद्दीनमे आयोजनामे कएल गेल जमातके सहभागीसबमे कोरोना भेल मिललाके वाद प्रहरी ओखनीसबके खोजी होरहल हए यि सभामे सहभागी रौतहट, बारा पर्साके २० जनाके दिल्लीमे क्वारेनटाइन कएल गेल हए

1 टिप्पणी:

  1. No Deposit Bonus Codes 2021 - Best Casinos to Try at Now
    No deposit bonuses, the biggest bonuses, are starvegad usually given by players at the online casinos, such as gioco digitale Blackberry, Windows 10 and Xbox Series X.

    जवाब देंहटाएं