रविवार, 23 फ़रवरी 2020

शैद्धान्तिक र प्रयोगात्मक जोडके ३० अंक लेआबे बालाके सर्टिफिकेट मिली
देशके शैक्षिक गुणस्तर गिरल कहइत आलोचना होरहल समयमे शिक्षा मन्त्रालयके अनुसार मिहनेत बिना विद्यार्थीसबके सर्टिफिकेट मिलेबाला जइसन पाठ्यक्रमके संरचना तयार कएल गेल हए। कक्षा ११ आ १२ मे सैद्धान्तिक (बाह्य) आ प्रयोगात्मक (आन्तरीक)मे अगल अगल पास होएके व्यवस्था परिवर्तन कके अब समग्रमे ३० नम्बर लेआबेबालाके सर्टिफिकेट मिलेवाला भेल हए  । नयाँ पाठ्यक्रममे ७५ अंक शैद्धान्तिक आ २५ अंक प्रयोगात्मक मुल्यांकनके व्यवस्था कएल गेल हए । शिक्षामन्त्रीके अध्यक्षतामे गठन भेल पाठ्यक्रम विकास परिषद् नयाँ पाठ्यक्रम निर्माण भेल विषयसबके सैद्धान्तिक आ प्रयोगात्मक विषयके कोड एगो हि राखेवाला भेल हए । एगो कोड होएलाके बाद विद्यालयसे पठएले सैद्धान्तिक आ प्रयोगात्मक मूल्यांकनके अंक एकीकृत रुपमे आबेबाला भेल हए । ओइसहीय आन्तरिक २५ आ बाह्य मूल्यांकन ५ कके ३० अंक लेआबे बालाके समग्रमे डी प्लस ग्रेड आई । डी प्लस लेआएल विद्यार्थी विश्वविद्यालयमे भर्ना मिलेवाला सिद्धान्त रहल हए । अभितक कक्षा ११ आ १२ मे बाह्य आ आन्तरिक परीक्षामे अलगे अलगे अंक राखेके काम होरहल हए । शैद्धान्तिक परीक्षामे समेत डी प्लस लेआएल विद्यार्थीके हि राष्ट्रिय परुीक्षा र्बोडसे ट्रान्सक्रिप्त जारी होइत आएल  हए । शैद्धान्तिक आ आन्तरिकके ऐकेको कोड राखके आ दुनु अंक जोडके एकीकृत रुपमे ग्रेड प्राप्त गरेके व्यवस्थासे बहुत कमजोर विद्यार्थी समेत उच्च शिक्षाके लेल दाबेबार होएके विज्ञके कहनाम रहल हए । कक्षा ११ मे अगामी शैक्षिकसत्रसे आ कक्षा १२ मे एक बर्षके बाद नयाँ पाठ्यक्रम लागू होएवाला हए । 

सरसफाई अभियानमे लगल छत मुख्यमन्त्री राउत
सरसफाई अभियानमे प्रदेश २ के मुख्य मन्त्री लालबाबु राउत लागल छत । अपने विशेष अभियान हि चालके प्रदेशके स्वक्ष, सफासुघर बनाबे गलगल हुन बतएलन । 
प्रदेशके सफासुघर बनाबेके लेल अपने मुख्यमन्त्री स्वक्षता अभियान कार्यक्रम सञ्चालन कएले कहइत मुख्यमन्त्री राउत यि अभियान मार्फत प्रदेशके स्वक्ष, सफासुघर आ प्राकृतिक वतावरण मैत्री बनाबेके उदघोष कएले छत । 
प्रदेश २ का भूमि व्यवस्था कृषि तथा सहकारी राज्य मन्त्री योगेन्द्र यादव गृह जिला रौतहटके माधोपुर बजारमे आयोजन कएले मुख्यमन्त्री स्वच्छता अभियान अन्तर्गत सरसफाई तथा सडक बचाउ विकास कराउ कार्यक्रममे सहभागी होएल मुख्यमन्त्री राउत प्रदेशके समृद्ध आ विकसित बनाबेकेलेल प्रत्येक व्यक्ति अपन अपन घरसे हि  सरसफाई शुरु करेके आग्रह कएलन । 
प्रदेशके आठु जिलाके प्रत्येक पालिकासबमे कम्तीमे २० जना युवासबके करारमे नियुक्त कके सरसफाई कार्यमे लगावेके योजना प्रदेश सरकारके रहल मुख्यमन्त्री राउत बतएलन । 
्प्रदेश सरकार शुरु कएले महत्वपूर्ण अभियान स्वच्छता अभियानमे लगाके यि अभियानके सफल बनाबेके लेल प्रदेश नम्बर २ के सभि सर्वसधारणसे आग्रह कएलन । 
मुख्यमन्त्री राउत प्रदेश २ भितर रहल सम्पूर्ण धार्मिक तथा पर्यटकीय स्थलसबके सौन्दर्यीकरण करेके ओर भि प्रदेश सरकार लगल हए बतएलन । 
आबे बाला  चैत्रस प्रदेश २ सरकार शुरु करे बालो कर्मचारी भर्नामे देशमे पहिल बेर प्रतिशत महिलाके आरक्षण कएले समेत बतएलन । 
मुख्य मन्त्री राउत हातमे झाडु लेके माधोपुर बजार सहित विन्नि क्षेत्रके सार्वजनिक सडकमे सरसफाई कके सरसफाई अभियानके निरन्तर्ता देवेके लेल सभिसे आह्वान कएलन । 
कार्यक्रममा प्रदेश २ के भूमि व्यवस्था कृषि तथा सहकारी राज्य मन्त्री योगेन्द्र यादव प्रदेश सरकार शुरु कएले मुख्यमन्त्री स्वच्छता अभियानके प्रशंसा कएलन । 
यि अभियानसे सरसफाईके क्षेत्रमे बुहत बडका सहयोग होएके आ  प्रदेशके समृद्ध तथा विकसित बनाबेमे भि मद्दत करेके  राज्य मन्त्री यादव विश्वास व्यक्त कएलन । 
एक फरक प्रसंगमे बोलइत मन्त्री यादव किसान आन्दोलनके माधोपुर उदगम स्थल रहल माधोपुर गाओके हि  समग्र विकासके लेल यि वर्ष प्रदेश सरकार एक करोड बजेट विनियोजन कएले बतएलन । 




मुख्यमन्त्री राउतद्वारा बागमति पुल निरीक्षण
कृषि राज्य मन्त्री योगेन्द्र यादवके विशेष पहलमे मुख्यमन्त्री राउत जिलाके पूर्वि भेग स्थित रहल बागमति नदिके धर्मपुर घाटमे बनल पुलके अवलोकन तथा निरीक्षण कएले छत । बागमति नदिके धर्मपुर घाटमे गत वर्ष नदिके पश्चिम ओरके तटबन्धके सटले उक्त पुल निर्माण भेलाके बाद नदिके मुलधार हि पश्चिम होके बहे लागल हए । नदिके मुलधार हि पश्च्मि ओर भेलासे नदिमे दाहरके समयत उक्त तटबन्ध हि दाहरमे दहाके लेजाएके सम्भावना आ ओइ क्षेत्रमे बहुत जनधनके क्षति होएके खतरा रहलसे उक्त पुलके निरीक्षण करइत मुख्यमन्त्री राउत पुलके पश्च्मि ओर रहल तटबन्धके मजबुत बनाबेके लेल अपने सहयोग करेके प्रतिवद्धता कएलन । उक्त पुलके तटबन्ध यि वर्ष मर्मत सम्भार नकएलापर नदिमे असार आ साओन महिनामे आबे वाला दाहरमे तटबन्ध टुटके सिंगारमन धर्मपुर, माधोपुर, खरकी रजवाडा, गढो सहितका दर्जनो गाओमे पानी पइसके बहुत जनधनके क्षति होएके निश्चित रहलासे यि समस्याके समाधान करेके लेल मुख्यमन्त्री राउतसे निरीक्षण करएले कृषि राज्य मन्त्री यादव बतएलन । कार्यक्रममे सहभागी रौतहटके प्रमुख जिला अधिकारी बासुदेव घिमिरे मुख्य मन्त्री स्वच्छता अभियानके प्रशंसा कएलन । अइसन अभियानसे सभ्य समाजके निर्माण होएके आ फोहोर व्यवस्थापन होएलाके बाद गाओ, नगर टोल स्वक्ष होके फोहोरके कारण लागेवाला रोग न्यूनिकरण होएके जिला अधिकारी घिमिरे विश्वास व्यक्त कएलन । कार्यक्रममे कृषि राज्यमन्त्री यादवले मुख्य मन्त्री स्वच्छता अभियानके दुई सयसे बेसी टोपी आ भेस्ट वितरण कएले रहलन । पुलके निरीक्षणके बाद मुख्यमन्त्री राउत सहितको टोली माधवनारायण नगरपालिका वडा नं ९ गढोमे एक सामुदायिक भवनके शिलान्यास कएलन । ओइसही गरुडा नगरपालिका वडा नम्बर ८ मे रहल श्री राम चन्द्र माध्यमिक विद्यालयके अनुगमन कएले रहलन । विद्यालयके अनुगमनमे गरुडा नगरपालिकाके मयेर इनु राय यादव, युवा नेता अनिल यादव लगगायत सर्वसधारणके सहभागिता रहल रहे ।

मेयर यादवद्धारा छोरी शिक्षा विमाके रकम तिन लाख थपेके घोषणा
प्रदेश २ के मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतके आग्रहमे रौतहटके माधवनारायण नगरपालिकाके मेयर विरन्द्र यादव छोरी शिक्षा विमाके रकम तिन लाख थपेके घोषणा कएले छत । प्रदेश २ सरकारके महत्वकांक्षी योजना बटी बचाउ बेटी पढाउ अभियान अन्तर्गत सञ्चालित छोरी शिक्षा विमा रकममे नगरपालिकाके ओरसे तिन लाख रुपैया देवेके मेयर यादव घोषणा कएले हए । मेयर यादव थप तिन लाख रुपैया देवेके घोषणा कएलाके बाद स्थानीय आ प्रदेश सरकारके तिन तिन लाख कके छोरी शिक्षा विमाके रकम ६ लाख भेल हए । रौतहटके माधोपुर बजारमे आयोजित मुख्य मन्त्री स्वच्छता अभियान अन्तर्गत सरसफाई एवं सडक बचाउ कार्यक्रममे मेयर यादव छोरी शिक्षा विमा रकम तिन लाख थपेके उदघोष कएलन ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें