बुधवार, 4 जुलाई 2018

निर्वाचित होएलाके बादके सात महिनाके कार्य प्रगति विवरण सार्वजनिक कएले छत पूर्व मन्त्री प्रभु साह
रौतहट क्षेत्र नम्बर तीनके निर्वाचित साँसद एवं पूर्व मन्त्री प्रभु साह अपने पछिलका बेर साँसदमे निर्वाचित होएके बादके सात महिनामे अपने कएले कामके प्रगति विवरण सार्वजनिक कएले छत । रौतहटके कटहरिया नगरपालिकाके माध्यमिक विद्यालयमे आयोजित सात महिनामे भेल कार्यके समीक्षा कार्यक्रममे चर्चित विकासवादी नेता प्रभु साह अपने कएले प्रमुख कार्यके प्रगति विवरण सार्वजनिक कएले छत । स्थानीय तहके विभिन्न निर्वाचित प्रतिनिधि, प्रदेश सभाके सदस्य तथा अन्य विभिन्न राजनैतिक दलके प्रतिनिधिके साथे प्रमुख बुद्धिजीवी, समाजसेवी लगायतके लोगके उपस्थिति रहल कार्यक्रममे माननीय साँसद साह सात महिनामे २७ किलोमिटर सडक निर्माण, ८ हजार घर परिवारमे गैस सिलिन्डर, गैस चुल्हा, पाइप, रेगुलेटर निशुल्क वितरण, अभीतक बिजुली नपुगल क्षेत्रके पाँच गाँओमे बिजुली पुगाबेके, २००से बेसी हैन्ड पाइप वितरण, दाहर प्रभावित फतुवा विजयपुर, कटहरिया, गुजरा, देवाही गोनाही नगरपालिकाके बकैया नदीके तटबन्धके मरम्मत, दश हजार विद्यार्थीके दैनिक गृहकार्य डायरी वितरण, बीस हजार कापी लगायतके शैक्षिक सामग्री प्रदान कएले लगायतके विवरण सार्वजनिक कएले छत । कार्यक्रमके सम्बोधन करइत पूर्व मन्त्री साह जनतासे जुटके, नागरिकके समस्याके समाधान करइत कामके माध्यमसे ही अपन पहिचान बनाबेला निर्वाचित सम्पूर्ण जनप्रतिनिधिसे आग्रह कएले छत । नेपालमे कम्युनिष्ट पार्टीके स्थापित करेमे अभितक कार्यकर्ताके हाथ रहल लेकिन अब निर्वाचित जनप्रनिधिके ही जनताके विश्वास जितेके कार्यभार रहल नेता साह स्पष्ट कएले छत । विकास निर्माणके काम इमानदारीपूर्वक करेला कहइत नेता साह अबके समय जनतासे अलगे रहेबालाके नरहल भी स्पष्ट कएले छत । 


गरुडा, मलाही आ समनपुरमे बेटी बचाओ बेटी पढाओ अभियान भेल संचालन
रौतहटके गरुडा, मलाही आ समनपुरमे बेटी बचाओ बेटी पढाओ अभियान संचालन कएलगेल हए । अभियानके क्रममे सामुदायिक विद्यालयमे अध्ययन कके विशिष्ट श्रेणी जइसन ग्रेड लेआके उत्तीर्ण छात्राके पुरस्कृत आ सम्मानित कएलगेल हए । भारतीय महावाणिज्य दूतावास वीरगंज, जिला प्रशासन कार्यालय रौतहट, गरुडा नगरपालिका, गढीमाई नगरपालिका लगायत विभिन्न संस्थाके सहभागिता तथा समन्वयमे भेल कार्यक्रममे बालिका शिक्षाके प्रभावकारी बनाबेबाला कुछ लोगके प्रशंसापत्रसे सम्मानित भी कएलगेल हए । प्रदेश सरकारके बेटी बचाओ बेटी पढाओ अभियानके सहयोगी कार्यक्रम अब जिलास्तरमे भी कएल जारहल कार्यक्रमके संचालन प्रमुख पत्रकार प्रभा सिंह जानकारी करएले छत । 

कृषि विकास बैँक गरुडा शाखा जमिनके धमाधम कररहल हए लिलामी
रौतहटके गरुडा बजारमे रहल कृषि विकास बैँक गरुडा शाखा ऋण नतिरले ग्राहकके जमिन धमाधम लिलाम कररहल हए । बैंकसे ऋण लेले लेकिन समयपर ब्याज नतिरेके, ऋण नबुझाबेके, बारम्बार लिखित सूचना देलापर भी सम्पर्कमे नआबेके, पत्रिकामे सूचना प्रकाशित सूचनाके भी नमानलापर सम्पूर्ण नियम आ प्रक्रिया पुगाके बैँकके गौर शाखामे बुधवार एकजने ऋणीके जमिन लिलाम कएले हए । रौतहटके साबिक संग्रामपुर गाविस वार्ड नम्बर ६ सुन्दरपुर घर रहल बिगन राय यादवके साबिक रघुनाथपुर गाविस वार्ड नम्बर ९ के साढे पाँच कठा जमिन डाँक बढाबढ प्रक्रियासे लिलाम कएलगेल हए । अइसही मदनपुर, पिपरा पोखरिया, कर्कच लगायतके गाँओके कुछ ऋणीके जमिन भी लिलाम प्रक्रियामे रहल कृषि विकास बैंक गरुडा शाखा जानकारी करएले हए ।


प्रतिबन्धित दबाइसहित सर्लाहीमे एकजने परल हए पक्राउ
सर्लाहीमे एकजने युवक प्रतिबन्धित दबाइसहित पक्राउ परल हए । सर्लाहीके हरिवन नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ के रहनिहार ३४ बरिसके श्रवण महतोके प्रतिबन्धित दबाइ रखले आरोपमे पक्राउ कएलगेल हए । अपने घारीमे नुकाके रखले प्रतिबन्धित दबाइ नाइट्रोभेट ७ पत्तामे रहल १०५ टेबलेट बरामद करइत महतोके सर्लाही पुलिस पक्राउ कएले हए । पक्राउ परल महतो आ घारीसे बरामद प्रतिबन्धित दबाइके विषयमे सर्लाही पुलिस अनुसन्धान कररहल हए ।


पचीस किलो गाजाँसहित बारामे एकजने युवक परल हए पक्राउ
बारा पुलिस एकजने युवकके पचीस किलो गाँजासहित पक्राउ कएले हए । बाराके करैयामाई गाँओपालिका वार्ड नम्बर ८ औनिया गाँओमे रहल भित्री रस्ता होके जारहल ना ४७ प ४३४६ नम्बरके मोटरसाइकिल डाइबर बाराके ही कोल्हबी नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ के रहनिहार २५ बरिसके श्याम चौधरीके पचीस किलो गाँजासहित पुलिस पक्राउ कएले हए । ओही रस्तासे जारहल ना ८ प ३२११ नम्बरके मोटरसाइकिलके भी बारा पुलिस नियन्त्रणमे लेले हए । मोटरसाइकिलपर सबार पुलिसके देखके फरार होएलासे फरार आदमीके खोजी कररहल हए । दुनु मोटरसाइकिलके पुलिस नियन्त्रणमे लेले हए । घटनाके विषयमे बारा पुलिस गहन अनुसन्धान कररहल खबर हए ।


पानीमे डुबके पर्सामे एगो बालकके भेल हए मृत्यु बालिकाके होरहल हए इलाज
पर्सा जिलामे पानीमे डुबके एकजने बालकके मृत्यु भेल हए । घरके बगलमे रहल खधियामे जमल पानीमे डुबके पर्सामे एकजने बालकके मृत्यु भेल हए । पर्सा जिलाके वीरगंज महानगरपालिका वार्ड नम्बर २७ रमगढवामे डेरा लेके रहेबाला पर्सा जिलाके ही धोबिनी गाँओमे घर रहल धामुप्रसाद यादवके ७ बरिसके बेटा आलोक यादवके डुबके मृत्यु भेल हए आ ६ बरिसके बेटीके इलाज चलरहल हए । खधियामे डुबके अशक्त भेलापर उद्धार कके इलाजके लेल दुनुजनेके बुधवार नेशनल मेडिकल कलेज वीरगंज पुगाबेके क्रममे ही आलोकके मृत्यु भेल हए । बालिकाके इलाज चलरहल हए । घटनाके सम्बन्धमे पुलिस अनुसन्धान कररहल हए । 



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें