मंगलवार, 3 जुलाई 2018

दाहरमे फसल सयसे अधिकके कएलगेल हए उद्धार
दुर्गा भगवती गाँओपालिका आ राजदेवी नगरपालिकाके कुछ रौतहटबासीके मालजाल आ खेत खरिहान बागमती नदीसे पुरुब रहलाके कारण सोमवार आएल दाहरमे घेराएल करिब एक सय जनेके उद्धार कएलगेल हए । दुनु ओरसे पानीके बीचमे फँसल लोगके उद्धार करइत सर्लाहीके ओर निकालल गेल हए । रौतहटके कुछ घरके स्थायी बसोबास भी बागमती नदीके पुरुबके ओर रहल हए । ऊ लोग सभी सुरक्षित रहल देखलगेल हए । नदीके पुरुबके ओर चासबास रहल लेकिन घर बागमती नदीसे पछिम रहल लोग लोग जे नदीके धारमे फँसल रहे, सभीके उद्धार कएलगेल हए । सर्लाहीमे निकालके भारतके रास्ता होइत गौर होके सभीके अपना घरके ओर पेठाबलगेल हए । दाहरसे कौनो जनधनके क्षति नपहुँचल खबर हए ।

पर्हुके दाहरसे ही परसान लोगके नमिलल राहत, फेर वर्षासे बढल त्रास
पर्हु साल आएल दाहरसे प्रभावित लोगके राहत नमिललाके कारण परसान लोग फेर दाहरके त्रासमे परल हए । दू दिन लगातार भेल वर्षासे पर्हु सालके दाहरसे प्रभावित लोगमे फेर त्रास सिर्जना कएले हए । गत वर्ष दाहरसे अत्यधिक प्रभावित गरुडा नगरपालिका वडा नम्बर २ गेडहीके लोग मंगलवार वडाध्यक्ष विशुनदेव सहनीके घरे पहुँचके राहतके माग कएले हए । दर्जनो दाही पीडित लोग वडाध्यक्ष सहनीके दुरापर पहुँचके पर्हु सालके दाहरसे भेल क्षतिके भरपाइ करेला सम्बन्धित निकायमे पहल कके क्षतिपूर्तिके माग कएले हए । पर्हु सालके दाहरसे अभी सम्हरे नसकल आ फेर दाहरसे बेघर होएके अवस्था आएल कहइत स्थानीय दाही पीडित बचेके अग्रिम सामग्रीके माग भी करइत पर्हुके पीडाके ठोस राहत पुगाबेला सम्बन्धित निकायतक पहलके लेल भी आग्रह कएले स्थानीय चर्चित युवा समाजसेवी मनोज कुमार सहनी जानकारी करएले छत ।

वर्षा कम होइजाएके मौसमविदके रहल हए अनुमान
दू दिन लगातार भेल वर्षासे जनजीवन प्रभावित भेल अवस्थामे अब मौसममे कुछ सुधार होएके पूर्वानुमान मौसमविदके रहल हए । अब धीरे धीरे वर्षा कम होइजाएके अनुमान रहल हए । दू दिनमे मौसममे कुछ सुधार होएके आ अभी सक्रिय रहल मनसुन कुछ दिनतक निष्क्रिय होएके मौसमविदके पूर्वानुमान रहल हए । दु दिन खूब वर्षा भेल आ आगामी दू दिनमे मौसम फेरसे साफ होएके सम्भावना रहल हए । मौसमविदके मौसममे सुधार होएके खबर अएलासे सर्वसाधारण कुछ राहत अनुभव कररहल हए ।

फतुवा विजयपुर नगरपालिकाके हजार विद्यार्थीके शैक्षिक सामग्री कएलगेल हए
फतुवा विजयपुर नगरपालिकाके उपमेयर कान्तिदेवी महतोके अगुवाइमे असहायके साथे उपमेयर कार्यक्रमके अन्तर्गत एक हजार छात्र छात्राके छात्रवृत्ति वितरण भेल हए । अलग अलग कार्यक्रमके आयोजना कके मावि दुधियवामे सात सय जने विद्यार्थीके स्कुल बैग, कापी कलम, औजार बक्स लगायतके शैक्षिक सामग्री प्रदान कएलगेल शिक्षक संजन खरेल जानकारी करएले छत । अइसही निमावि टेंग्राहामे एक कार्यक्रम बीच शैक्षिक सामग्री पद्रान कएलगेल नगरपालिकाके प्राविधिक सहायक मुकेश साह सोनार जानकारी करएले छत ।


नदीमे दहएलासे सर्लाहीमे दुजनेके भेल हए मृत्यु

नदीमे दाहर आएल अवस्थामे सर्लाही जिलामे दाहरमे दुजनेके मृत्यु भेल हए । सर्लाहीके हरिवन नगरपालिकामे नदीके दाहरमे दुजनेके मृत्यु भेल हए । हरिवन नगरपालिकाके वार्ड नम्बर ३ मोहनपुरके रहनिहार ४२ बरिसके धनबहादुर लोप्चनके लखनदेइ नदीमे दहाके मृत्यु भेल हए । नदीमे पानी बहुत जोरसे बहइत लेकिन नदी बटेके लेल पइँसलासे दहाके लेगेलाके कारण मृत्यु भेल हए । अइसही हरिवन नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ के रहनिहार ७२ बरिसके टेक बहादुर विकके दाहरमे दहाके मृत्यु भेल हए । हरिवन नगरपालिकाके हरिवन नदीमे सोमवार दहाके बेपत्ता भेल विकके लास मंगलवार बागमती नगरपालिकाके वार्ड नम्बर २ डुम्री नदीमे पानीके कातमे मिलल हए । नदी पार करेके क्रममे वृद्धके दाहर दहएले होसकेके अनुमान रहल हए । घटनाके सम्बन्धमे सर्लाही पुलिस अनुसन्धान कररहल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें