गुरुवार, 28 जून 2018

नागरिकता बनाबेके लेल इलाका प्रशासन कार्यालय गरुडामे बढल भीड
रौतहटके गरुडामे रहल इलाका प्रशासन कार्यालय नेपाली नागरिकताके प्रमाणपत्र बनाबेबालाके भीड बढल हए । नयाँ नागरिकता लेबेबाला आ नागरिकताके प्रतिलिपि निकालेबाला दुनु किसिमके भीड इलाका प्रशासन कार्यालय गरुडामे बढल हए । इलाका प्रशासन कार्यालय गरुडामे साधारण दिनमे दशसे पन्द्रहजनेके नागरिकता बनरहल अवस्थामे अभी ई संख्या दोबरके करिब बनल हए । एसइइके परीक्षाके रिजल्ट निकलल आ अगाडिके अध्ययन करेला नेपाली नागरिकताके जरुरी परसकेके कहइत नेपाली नागरिकताके प्रमाणपत्र बनाबेबालामे अधिकांश नवयुवा ही रहल हए । नेपाली नागरिकताके प्रमाणपत्र बनाबेमे अधिकांश एसइइ परीक्षा उत्तीर्ण कएल नयाँ विद्यार्थी ही रहल इलाका प्रशासन कार्यालय गरुडाके प्रमुख अमृतकुमार श्रेष्ठ जानकारी करएले छत ।

युवा समुदाय धमाधम करारहल हए मधेसी प्रमाणित
एसइइके परीक्षाके रिजल्ट प्रकाशित भेल आ शिक्षक सेवा आयोगके विज्ञापन भेल अवस्थामे मधेसी प्रमाणित कराबेबालाके संख्या बढल हए । समावेशी कोटासे विभिन्न तहमे उच्च शिक्षा अध्ययनके लेल मधेसी कोटासे फारम भरेके मिलेके होएलासे एसइइ परीक्षाके नतिजा अएलाके बाद नवयुवा लोग मधेसी प्रमाणित कराबेमे लागल हए । अइसही शिक्षक सेवा आयोगसे देशमे करिब तेरह हजार शिक्षकके विज्ञापन होएलाके कारण समावेशी कोटा अन्तर्गत मधेसी आ आदिबासी प्रमाणित कराबेबालाके संख्या बढल हए । जिला प्रशासन कार्यालय गौर, इलाका प्रशासन कार्यालय गरुडा आ इलाका प्रशासन कार्यालय मौलापुरमे मधेसी आ आदिबासी प्रमाणित कराबेबालाके संख्यामे आगामी अध्ययन आ शिक्षा सेवा आयोगके कारणसे वृद्धि भेल देखलगेल हए । पहिलेके तुलनामे मधेसी आ आदिबासी प्रमाणित कराबे बालाके संख्यामे उलेखनीय वृद्धि भेल इलाका प्रशासन कार्यालय गरुडाके कार्यालय प्रमुख अमृतकुमार श्रैष्ठ जानकारी करएले छत ।

पोषणसम्बन्धी एक दिवसीय कार्यक्रम मावि गरुडामे भेल हए सम्पन्न
रौतहटके गरुडा नगरपालिकाद्वारा आयोजित एक दिवसीय पोषणसम्बन्धी कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए । बहुउदेश्यीय पोषण योजना अन्तर्गत आमा समूह तथा महिला स्वयंसेवीलोगके पोषण शिक्षा चेतना अनिवार्य होएलासे पोषण सम्बन्धी एक दिवसीय तालिम देलगेल हए । एकासी जनेके सहभागिता रहल कार्यक्रममे संजीव सिंह, राकेश यादव, विजय प्रकाश झा लगायतके लोग पोषण सम्बन्धी विषयमे जानकारी देले राज बहादुर ठाकुर जानकारी करएले छत । तालिमके अध्यक्षता गरुडा नगरपालिकाके उपमेयर रंगीलादेवी जयसवाल कएले रहलन ।

दुर्गा भगवती गाँओपालिकामे बजेटके दुरुपयोग होरहल भेल हए खुलासा
रौतहटके दुर्गा भगवती गाँओपालिकामे बजेटके दुरुपयोग होरहल खुलासा भेल हए । गाँओपालिकाद्वारा गठन कएलगेल उपभोक्ता समितिके पदाधिकारी तथा गाँओपालिकाके अध्यक्ष अरुण साह आ प्रशासकीय अधिकृत प्रमोद ठाकुरके मिलीभगतमे बजेटके दुरुपयोग होरहल हए । दुर्गा भगवती गाँओपालिकाके वडा नम्बर १ मे वीरेन्द्र साहके घरसे रमेश दासके घरतक पिसिसि ढलानमे पर्हुृ ही भेल ग्रेभल कएलगेल सडकके टेक्टरसे जोतके ग्रेभलपर ही पिसिसि ढलान कएलगेल स्थानीय शम्भु सिंह जानकारी करएले छत । पिसिसि ढला कएलापर सडकमे चार इनच गिरी सर करेके होएलापर इस्टिमेट रहलापर भी गिटी सर नकके गिटीके भुक्तानी भी लेले आरोप सिंह लगएले छत । वडाध्यक्ष लोगके पचास लाखसे लेके साठ लाखतकके योजना बाँडफाँट कके देले भी खुलासा भेल हए । अइसही गाँओपालिकाके अध्यक्ष साह अपने चार करोडमे योजना लेले एकजने वडाध्यक्ष बतएले छत । गाँओपालिका अध्यक्ष साह अपन योजनाके कार्यान्वयन करेला गोप्य रुपसे उपभोक्ता समिति गठन कएले भी आरोप रहल हए । कुछ योजना कोटेशनपर बेचले भी आरोप रहल हए । नेपाल सरकारके नीति नियम अनुसार योजनाके निर्माणसे पहिले योजनाके नाम, बजेट आ कौन कार्य होरहल हए ओकराबारे बोर्ड लगाबेके प्रावधान रहलापर दुर्गा भगवती गाँओपालिका भित्तर कौनो भी किसिमके योजनाके बोर्ड नरहल खबर प्रतीक दैनिकमे प्रकाशित हए । 

प्रतिबन्धित दबाइ सहित सर्लाहीमे एकजने युवक परल हए पक्राउ

सर्लाही पुलिस प्रतिबन्धित दबाइ सहित एकजने पक्राउ परल हए । सर्लाहीके मलंगवा नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ से महोत्तरी जिलाके बर्दीबास नगरपालिका वार्ड नम्बर १४ के रहनिहार २८ बरिसके भागरथ साहके प्रतिबन्धित दबाइ सहित पक्राउ परल हए । पक्राउ परल साहके पाससे नाइटाभेट देबलेट एक सय पाँचगो बरामद भेल हए । पक्राउ परल युवक आ प्रतिबन्धित दबाइके सम्बन्धमे प्रहरी अनुसन्धान कररहल खबर हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें